‘चमकी बुखार’ सं एना बचाउ नेना कें, जरूरी जानकारी


मिथिलाभरि मे एखन 'चमकी बुखार' सं नेना-भुटका सब आहत भ' रहल अछि. विशेष क' मुजफ्फरपुर सं आबि रहल समाद चिंताजनक अछि. ओतय भारी संख्या मे बच्चा सब इलाजक दौरान जान गमओलक अछि. एखनो किछु सय गोट नेना इलाजरत अछि. एकरा अव्यवस्था कहियौ आ कि कप्पार, स्थिति बेसम्हार भेल अछि.

आइ देशभरि मे डॉक्टर हड़ताल पर बैसल अछि. कारण अछि जे किछु मोचंड लोक किछु डॉक्टर संग कलकत्ता मे झगड़ा केलक. विडंबना देखू जे ओम्हर  मिथिलाक सैकड़ो बच्चा उचित देखभाल आ इलाजक अभाव मे जान गमा रहल अछि.

की अछि चमकी बुखार? जापानी इंसेफलाइटिस (दिमागी बुखार) वा एईएस (एक्टूड इंसेफेलाइटिस सिंड्रोम) कें बिहार मे चमकी बुखार कहल जा रहल अछि. एहि मे वायरल इंफेक्शन सं शरीर मे सूजन भ' जाइछ. एहना मे शरीरक इम्यूनिटी सिस्टम आ दिमाग केर उत्तक नष्ट होइछ. 

लापरवाही केने बच्चाक जान जा सकैत अछि कारण एहि मे शरीर मे तेज दर्द ऐंठन आ तेज बुखार भ' जाइछ. कतेको बच्चा एहि स्थिति मे बेहोश भ' जाइत अछि. एहि बीमारी मे रोगी कें उल्टी सेहो होइछ. बताओल जा रहल अछि जे एहि बीमारी केर अटैक भोर मे बेसी अबैछ.

चमकी बुखारक अन्य लक्षण, उपाय आ इलाज पर विस्तार सं जानकारी लेबाक लेल नीचां देल लिंक पर क्लिक करू 

Previous Post Next Post