'एकांत अनशन' केर अंतिम दिन रहल हलचल

नव दिल्ली. भारतीय गणराज्य अंतर्गत पृथक मिथिला प्रान्त गठनक मांग कें ल' दिल्लीक जंतर-मंतर पर 4 दिवसीय अनशन कार्यक्रम 25 मार्च 2013 कें सांझ समाप्त भेल. 22 मार्च सं तीन गोट मैथिल सपूत अनशन पर बैसल छलाह. कवि एकांत केर अगुआइ मे अनशन पर कौशल कुमार आ मनोज झा सेहो छलाह. एहि चारि दिन मे अनशन स्थल पर मैथिल सभक हुजूम जुटल. देश-विदेश सं मैथिल अपन जन्मसिद्ध अधिकार आ मिथिला प्रान्त लेल समर्थन करैत उपस्थिती दर्ज करओलनि.

> अनशनकारीक हालति भेल गंभीर
अनशन केर अंतिम दिन अनशनकारी सभक स्थिति चिंताजनक भ' गेल. अनवरत भूखल रहबाक कारणे अनशनकारी सभक स्वास्थ्य खसय लागल. स्थिति कें देखैत सरकारी डाक्टर तीनू अनशनकारी कें चेकअप कयलक. पछाति तीनू कें एहतियाती रूपें जबरदस्ती राम मनोहर लोहिया अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल. बाद मे फल केर रसपान क' आगामी डेग लेल कटिबद्धताक संग अनशन कें विराम देल गेल. कवि एकांत सहित किछु संस्था सभ द्वारा सेहो एक संग राष्ट्रपति, प्रधानमंत्री ओ गृहमंत्री कें ज्ञापन देल गेल.
> पुलिस-प्रशासन भेल सक्रिय
अनशनकारी केर स्थिति आ भीड़ कें देखैत कवि एकांत, कौशल  ओ मनोज झा कें अस्पताल ल' जाओल गेल. सरकारी डाक्टर सं पहिने अनशन स्थल पर चेकअप कयल गेल. माहौल शांतिपूर्ण बनल रह ताहि हेतु सरकार दिस सं पुलिसक व्यवस्था चाकचौबंद छल.
> कम नहि भेल राजनीति !
कवि एकांत केर अराजनीतिक अनशन मे राजनीति सेहो कम नहि भेल. धरना स्थल पर सभ अपन-अपन रोटी सेकय मे ली देखल गेलाह. कवि एकांत केर पोस्टर संगहि अनशन स्थल पर आओरो दोसर संस्था केर पोस्टर छल जे एहि अनशन कें विशिष्टता पर प्रश्न ठाढ़ करैत छल. हद त' तखन भेल जे एक अखबार मे एक संस्था अपना नाम सं एहि अनशन केर समाद प्रकाशित करा लेने छल जाहि मे कवि एकांत आदि केर कोनो नाम नहि छल. एहि समाद कें प्रकाश मे अयलाक बाद सम्बंधित अखबार आ संस्था लग आपत्ति दर्ज करा देल गेल अछि.
> जुटल हुजूम, नवतुरिया अयलाह आगू
मैथिल मंच केर लोकप्रिय पंक्ति 'नवतुरिया आबहु आगां' एहि अनशन कार्यक्रम सं साकार होइत बुझना गेल. पूर्ण नव तूर केर कार्यक्रम मे अनेक युवक आबि अपन वक्तव्य देलनि. सभ सं विशेष जे अनशन पर युवा बैसल छलाह आ निश्चय ई मिथिला आन्दोलन मे युवा हस्तक्षेप केर आरम्भ अछि. 4 दिन व्यापी अनशन मे लोकक जुटान होइत रहल. आब सरकार लेल ई अनशन धनसन बनल रहैत अछि वा किछु काज आगुआइ अछि से  भविष्य केर गर्त मे अछि. सरकार दिस सं कोनो प्रतिनिधि अनशनकारी सभक हालोचाल पूछय नहि आयल. पुलिस-प्रशासन केर तत्परता देखल गेल.  (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
Previous Post Next Post