मिथिला लेल 'एकांत अनशन' केर आइ अंतिम दिन

कलकत्ता. भारतीय गणराज्य मे मिथिला राज्यक लेल नाना तरहें शांतिपूर्ण आन्दोलन होइत रहल अछि. आजादी केर बाद राज्य गठनक बेर बारम्बार मिथिला कें क्षोभित आ निराश कयल गेल, जखन कि एक राज्य केर पात्रता एहि क्षेत्र कें सिद्ध करबाक बेगरता नहि छैक. भारतीय इतिहास आ मिथिला केर भूगोल एकरा ओहिना प्रमाणित कयल अछि. मैथिल द्वारा नाना विधिए अपन मांग राखल जाइत रहल अछि. एहि मे नव मोड़ तखन आयल जखन युवा मैथिल कवि एकांत 4 दिवसीय अनशन केर घोषणा कयलनि. दिल्ली केर जंतर-मंतर पर 22-25 मार्च 2013 धरिक एहि अनशन केर आइ अंतिम दिन अछि. अनशन स्थल पर देश-विदेश सं मैथिलक जुटान होइत रहल अछि.
मिथिला केर मान मर्दित करैत बिहार प्रान्त गठन भेल आ एकरा एक एहन राज्य मे सन्हिया देल गेल जकर स्वयं अपन कोनो ने भाषा-संस्कृति नहि छैक. बिहार गठन केर 101 साल मे मिथिला अपन क्षेत्रीय अस्मिता बचयबा लेल सेहो संघर्ष क' रहल अछि. सरकारी उदासीनता आ राजनीतिक प्रहार झेलैत मिथिला ओहुना खंड-खंड करबाक खड्यंत्र सं आहत अछि. कतहु कोसी, कतहु अंग प्रदेश, कतहु सीमांचल, कतहु बज्जिकांचल आ कतहु फलना आ कतहु चिलना...नामे मैथिल कें भरमाओल जा रहल अछि. एतबे नहि मिथिलाक भाषा कें सेहो अनेको नामे चिन्हित क' मैथिल कें दिग्भ्रमित कयल जाइत अछि. संगहि देशक विकास संग डेग सं डेग मिला रहल अनेक प्रान्त आ दोसर दिस बिहार केर सभ स्तर पछुआयब आ एहू मे मिथिलाक स्थिति अत्यंत कारुणिक अछि. कहियो भारतीय उपमहाद्वीप केर सभ तरहें समृद्ध रहल मिथिला देश आइ सभ तरहें क्लेश पाबि रहल अछि. एकर एक्कहि समाधान पृथक प्रान्त केर निर्माण करब बुझाइत अछि. मिथिला राज्य लेल आन्दोलन मे एहि अनशन केर बाद निश्चय नव मोड़ आयत आ नव उर्जा सेहो भेटत.
(मिथिमीडिया डेस्क)
Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
Previous Post Next Post