
कतौ छपल छै जगमग चान
कतौ बुद्ध कतौ जेसस महान
कतौ गुरू गोविन्दक महिमाक बखान
कतौ प्रतिविम्ब खुदाक पाक कुरान
कतौ राम कतौ कृष्णक बथान
कतौ उदयन कतौ विद्यापतिक मचान
कतौ छै सलहेस अयाचीक शान
कतौ ज्ञानी मण्डन मिश्रक व्याख्यान
कतौ यात्री तँ कतौ चन्दाक गान
एकरे रटि-रटि पाबी सम्मान
एकरे सङगतिसँ भेटय ज्ञान
माँ शारदाक इएह घर-दलान
गोर लागू, छथि पोथीमे भगवान
— अमित मिश्र