'ओरिजनल काम' केर प्रस्तुतिक बाद संबोधित करैत महेन्द्र मलंगिया नव दिल्ली. भारतक राजधानी दिल्ली मे मैथिली लोक रंग (मैलोरंग ) द्वारा आयोजित पंचदिवसीय मलंगिया नाट्य महोत्सवक पाँचम आ अंतिम नाटक 'ओरिजनल काम' केर सफलतापूर्वक संपादन भ…
नव दिल्ली. मैलोरंग द्वारा आयोजित पंचदिवसीय मलंगिया नाट्य महोत्सवक चारिम दिन माने 29 दिसंबर 2012 केर संध्या 6:30 बजे संस्था मिथिला विकास परिषद, कोलकाता द्वारा अशोक झा केर निर्देशन मे नाटक 'जुआएल कनकनी' केर मंचन सफलतापूर्वक संपन्न भेल. ना…
मैथिली नाटक आ महेंद्र मलंगिया एक-दोसराक पर्याय छथि. मैथिली नाटक आ नाट्यकारक पैघ सूची अछि. महेंद्र मलंगिया नाटकक माध्यम सं मैथिली साहित्य कें समृद्ध कयलनि. हिनक नाटक गाम मे पसरल कुरीतिक विरुद्ध आवाज बुलंद करैत अछि. जतय धरि हम हुनक नाटक देखने आ पढन…
नाटक हिट, हिट मैथिली भाषा, ओकरा आंगनक बारहमासा मंच पर महेंद्र मलंगिया संगे नेपालक राष्ट्रपति डॉ रामबरण यादव ओ अन्य नव दिल्ली . मैलोरंग द्वारा आयोजित पंचदिवसीय मलंगिया नाट्य महोत्सवक तेसर दिन माने 28 दिसंबर 2012 केर सांझ 6:30 बजे सं श्री…
नव दिल्ली . मलंगिया नाट्य महोत्सवक आइ दोसर दिनक नाटक 'छुतहा घैल' केर मंचन सफलतापूर्वक संपन्न भेल. स्त्री विमर्श पर आधारित एहि नाटकक माध्यमें ई जनाओल गेल अछि जे समाज मे स्त्रीक अहम भूमिका रहितो ओ मात्र भोगक वस्तु बनल अछि . नाटकक मुख्…
नव दिल्ली. मलंगिया नाट्य महोत्सवक सफल आयोजन हेतु आयोजन समिति (मैलोरंगक) कार्यकर्ता लोकनि सुचारू रूप सं कार्यक्रमक संचालन हेतु अपस्यांत देखबा मे अयलाह. दिल्लीक शीतलहरीक बिनु कोनो परवाह केने आ यत्र-तत्र बाट जाम कें फनैत मैथिली भाषा आ संस्कृति प…
नव दिल्ली. मैथिली लोक रंग/मैलोरंग द्वारा आयोजित मलंगिया नाट्य महोत्सव आइ सं शुरू होयत . महोत्सव कें ल' संपूर्ण तैयारी भ' चुकल अछि. मलंगिया नाट्य महोत्सवक सफल सम्पादन हेतु कार्यकर्ता लोकनि बेस व्यस्त छथि. नाटककार महेन्द्र मलंगिया ने म…
हावड़ा. मिथिला सेवा समिति बेलूड़ द्वारा मैथिली कें अष्टम अनुसूची मे मान्यता प्राप्तिक वार्षिकीक अवसर पर एकटा साहित्यिक सभाक आयोजन दिनांक मंगलदिन 25 दिसंबर 2012 कें बेरुपहर 2 बजे सं समितिक कार्यालय विद्यापति भवन, बेलूड़ मे कयल गेल. कार्यक्रम दू…
हुगली . मैथिली भाषा कें अष्टम अनुसूची मे शामिल होयबाक वार्षिकी अवसर पर जानकी सेवा संघ द्वारा अष्टयाम संकीर्तन एवं मैथिली दिवस ( 22- 23 दिसंबर 2012) मनाओल गेल. ज्ञातव्य हो जे 22 दिसंबर 2003 कें मैथिली संविधानक अष्टम अनुसूची मे अपन स्थान पओने छ…
मैथिलीक सुपरिचित साहित्यकार बिनय भूषण सं मिथिमीडिया द्वारा लेल गेल साक्षात्कारक प्रमुख अंश — साहित्य दिस झुकाओ कोना भेल आ मैथिली लेखन कहिया सं शुरू कयल? भाषा मनुक्खक अभिव्यक्तिक माध्यम अछि. नान्हिएटा सं मैथिलीक प्रति लगाओ अछि. सिलेबस मे मैथिली …
गोहाटी . मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति, गोहाटी द्वारा दू-दिन विद्यापति पर्व समारोह आयोजित कएल गेल जाहिमे पहिल दिन स्थानीय जैन भवनसँ कामख्याधरि मिथिला आ' असमिया संस्कृति-परंपराकेँ झलकबैत पदयात्राक आयोजन कएल गेल . दोसर दिन सकाल दस बजेसँ डॉ.ब…
कार्यक्रम मे संजय बक्शी, मिविप अध्यक्ष अशोक झा ओ सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय कलकत्ता. भारतीय संविधानक आठम अनुसूचिमे २२-२३ दिसंबर २००३केँ मैथिली जोड़ल गेल रहय आ तहियेसँ एहिदिनकेँ विभिन्न संस्था 'अधिकार दिवस' वा 'मैथिली मुक्ति दिवस'…
हावड़ा. मैथिली संविधान केर आठम अनुसूची मे शामिल कयल गेल. ई मिथिलाक जनमानस लेल बड़का उपलब्धि छल. ई ओ अधिकार छल जे भारतीय लोकतंत्र केर विशेषता आ जन अधिकार केर रक्षा आ सांस्कृतिक अक्षुणता केर गवाही देइत अछि. बेलूड स्थित मैथिल संस्था मिथिला सेवा सम…
नव दिल्ली. असरकारी संस्था नव पल्लव द्वारा वंचित श्रेणीक छात्र सभ लेल 'अयाची छात्रवृति योजना' केर घोषणा 29 दिसंबर 2012 कें गांधी शांति प्रतिष्ठान मे आयोजित एक कार्यक्रम मे कयल जायत. कार्यक्रम मे दिल्ली एनसीआर केर सरकारी स्कूल सभ सं लगभग ए…
(एक) प्रेम लग हम निरन्तरता धरि गेलहुँ जाइत गेलहुँ, जाइते गेलहुँ निरन्तरता कोनो वस्तु नहि रहैक, ओ कोनो सीढियो ने रहै कोनो सबारी गाडियो नै रहै- जाइत जयबाक एक टा धारणा भरि रहैक एत' धरि जे निरन्तरता कोनो मार्ग नहि होइछ से नहियो हो, मार्…
> डा. रामजी ठाकुर कें पुरस्कार दड़िभंगा. मिथिला देसिल बयना केर संगहि संस्कृत विद्वानक गढ़ रहल अछि. एखनहु एहि क्षेत्र मे संस्कृत विद्वान केर कमी नहि अछि. एहि बेर संस्कृत लेल साहित्य अकादेमी अवार्ड मिथिला मे आयल अछि जे गर्वक बात. साहित्य अक…
> परिषद् इंडिया गेट पर कयलक प्रदर्शन नव दिल्ली . दिल्ली मे 16 दिसम्बर कें भेल सामूहिक बलात्का रक विरोध मे 'मैथिल यूथ परिषद्' 20 दिसंबरक सांझ 6 बजे सं राति 8:30 बजे धरि दिल्लीक इंडिया गेट पर प्रदर्शन कयलक, जाहि मे बलात्कारी के…
> महोत्सव हेतु मिविप क' रहल तैयारी कलकत्ता . महेंद्र मलंगिया द्वारा लिखित नाटक 'जुआयल कनकनी' मिथिला विकास परिषद् द्वारा अशोक झा केर निर्देशन मे 29 दिसंबर कें नव दिल्ली मे खेलल जायत. ई नाटक मिथिला विकास परिषद् केर कलाकार लोकनि द्…
नव दिल्ली/दड़िभंगा . साहित्य अकादेमी द्वारा एहि सालक पुरस्कारक घोषणा क' देल गेल अछि . मैथिली सहित 24 भाषा मे स्तरीय लेखन हेतु सभ साल ई पुरस्कार देल जाइत अछि . एहि बेरक साहित्य अकादेमी अवार्ड डॉ शेफालिका वर्मा कें हुनक आत्मकथा 'क़िस्त क़ि…
कलकत्ता . प्रत्येक साल जकां एहू साल रविदिन 23 दिसंबर कें मिथिला विकास परिषद् मैथिली अधिकार दिवस मनाओत. एहि मादें जनतब देइत कार्यक्रम संयोजक अंजय चौधरी कहलनि जे 22-23 दिसंबर 2003 कें सदन मे चर्चा केर उपरांत मैथिली कें संविधानक अष्टम अनुसूचीमे स्थान…
दड़िभंगा. फिल्म बनत तँ भाषा, संस्कृतिक संग विविध क्षेत्रमे मिथिलाक विकास होएत. ई बात 15 दिसंबर 2012 शनिकेँ अपर पुलिस महानिरीक्षक राकेश कुमार मिश्र कहलनि. ओ मैथिली फिल्म अकादमी दिससँ रमेश्वर लता संस्कृत महाविद्यालयमे फिल्म फेस्टिवलक लेल आयोजित बैस…
दड़िभंगा . अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन केर नवम महाधिवेशन एहि बेर गुजरात केर सूरत शहर मे होमयवला छल जे आब देवघर मे आयोजित होयत. 22 व 23 दिसंबर 20 12 कें एहि आयोजनक बाद जगह-जगह मैथिली अधिकार रैली निकालल जाएत . विद्यापति सेवा संस्थान केर महासचिव…