होयत साहित्यिक सभाक आयोजन

हावड़ा. मैथिली संविधान केर आठम अनुसूची मे शामिल कयल गेल. ई मिथिलाक जनमानस लेल बड़का उपलब्धि छल. ई ओ अधिकार छल जे भारतीय लोकतंत्र केर विशेषता आ जन अधिकार केर रक्षा आ सांस्कृतिक अक्षुणता केर गवाही देइत अछि. बेलूड स्थित मैथिल संस्था मिथिला सेवा समिति द्वारा मैथिली कें अष्टम अनुसूचि मे दर्ज होयबाक अवसर पर साहित्यिक सभक आयोजन कयल जायत. समितिक अध्यक्ष राजीव रंजन मिश्र मिथिमीडिया कें जनओलनि जे मैथिली साहित्यिक गोष्ठीक आयोजन कयल जायत जाहि  मे महानगर ओ उपनगरीय मैथिली साहित्यकार ओ विज्ञजन भाग लेताह.  समितिक मीडिया प्रभारी प्रकाश झा केर अनुसार आयोजन दिनांक 25.12.2012 (मंगलदिन) कें बेरुपहर 02:00 बजे सं समितिक कार्यालय विद्यापति भवन, बेलूड़ मे कयल गेल अछि.  
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post