'हमरा फराक मिथिला राज चाही'

कार्यक्रम मे संजय बक्शी, मिविप अध्यक्ष अशोक झा ओ सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय
कलकत्ता. भारतीय संविधानक आठम अनुसूचिमे २२-२३ दिसंबर २००३केँ मैथिली जोड़ल गेल रहय आ तहियेसँ एहिदिनकेँ विभिन्न संस्था 'अधिकार दिवस' वा 'मैथिली मुक्ति दिवस'क रूपमे मनबैत छथि. मिथिला विकास परिषद एहि उपलक्ष्यमे मैथिली मुक्ति दिवस समारोहक आयोजन केलक जाहिमे पूर्व केन्द्रीय मंत्री तथा संसदमे मैथिली लेल आवाज उठौनिहार सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय मुख्य अतिथिक रूपमे बजैत कहलाह जे मिथिला विकास परिषदक आयोजनक माध्यमे ओ मैथिली भाषा-संस्कृतिसँ अपनाकेँ बहुत लगीच पबैत छथि आ' मानैत छथि जे मैथिलीकेँ एखन बहुत आगाँ लए जेबाक बेगरता छैक. ओ कहलनि जे बंगाल आ कोलकाताक मैथिलक मान-सम्मान आ' सामाजिक-सांस्कृतिक उत्थान हेतु हुनकर सहयोग सदैव एहिना बनल रहत. एहि अवसरपर कविगोष्ठीक आयोजन सेहो कएल गेल छल जकर अध्यक्षता युवा साहित्यकार आमोद झा कएलनि. कवि अजय कुमार झा 'तिरहुतिया' अपन 'एकटा मिथिला राज" कविताक माध्यमे मिथिला राज्य बनेबाक बेगरता जनौलनि. तिरहुतिया रचित पाँति "शुद्ध बसात, शुद्ध सरिता नीर चाही, हमरा द्वेष रहित सुरुजक रौद चाही, मैथिली अधिकार क्रांतिक आह्वान, हमरा फराक मिथिला राज चाही " शीतलहरीमे थरथराइत श्रोतामे नव-उर्जा भरि देलक. वर्तमान राजनैतिक व्यवस्थापर चोट करैत जखन कवि विजय इस्सर 'वत्स' कहलनि— नित-नित नव-नव करय घोटाला, पग-पग भ्रष्टाचार छै, राजनीति सँ नीति निपत्ता, दुर्नीतिक संचार छै, चोर-लुटेरा सभसँ सजल, दिल्ली केर दरबार छै" त' थपरीक गरगड़ाहटि सहजहि सुनबामे आओल। कविगोष्ठीमे चंदन कुमार झा एवं विनय भूषण सेहो अपन-अपन काव्य-पाठ कएलनि. एहिसँ पूर्व परिषदक अध्यक्ष अपन संवोधनमे मैथिली-मिथिलाक गरिमा गुण-गान करैत ओकर रक्षार्थ सजग रहबाक आह्वान कएलनि. संगहि मैथिलीकेँ संविधानक आठम अनुसूचीमे स्थान दिआबऽ मे भाजपा आ'तृणमूल कांग्रेसक अवदान चर्चा करैत समस्त आंदोलनी आ' नेतावर्गक प्रति धन्यवाद जनौलनि.
परिषदक अंजय चौधरीक संयोजकत्वमे तारासुंदरी पार्कक सोझाँ बीच चौराहा पर आयोजित एहि कार्यक्रममे एकसय कुर्सी मैथिलक उपस्थितीसँ नहि भरल तकरा विफलता नहि तऽ अनमनस्कता अवस्से मानल जायत. राजनीतिकेँ पाछाँ समाज कोना आकर्षित होइत अछि तकरो प्रमाण देखबामे आयल जखन कविगोष्ठीकेँ बीच्चहिमे रोकि अतिथि राजनेताकेँ भाषणक बेवस्था कराओल गेल मुदा एहन कुव्यवस्थाक लेल मात्र आयोजके जिम्मेदार नहि छथि किएक तऽ आमंत्रित अतिथि-अभ्यागतकेँ सेहो समयक धेयान रखबाक चाही.
एकर संगहि उपनगर कोन्नगर मे सेहो जानकी सेवा संघ द्वारा कार्यक्रम केर आयोजन कयल गेल.  
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post