चांद कें तकैत छथि निर्देशक उदय राज

कलकत्ता. जहिना चान केर बाट एक चकोरी तकैत छैक, तहिना मैथिली फिल्म निर्देशक उदय राज अपन फिल्म 'घोघ मे चांद' लेल कलाकार चयन मे लागल छथि. एही हेतु किछु कलाकारक चयन हेतु कोलकातामे 15 दिसंबर 2012 कें ऑडिशन लेल गेल. कोलकाताक इच्छुक मैथिल रंगकर्मी एहि ऑडिशनमे भाग लेलनि. उगना आर्ट्सक बैनरक अधीन बनयबला एहि फ़िल्मक निर्देशक उदय राज केर कहब छलनि जे रंगकर्मीक ऑडिशनक की दरकार? तथापि हुनका सभ कें संगे एकटा आपसी बातचीत आ सम्पर्क सं बड्ड किछु सिखबाक अवसर भेटत. फ़िल्मक संदेश एक लाइन मे बतबैत उदय कहलनि जे शारीरिक सौन्दर्य सं बेसी नीक होइत अछि चारित्रिक एवं मनक सुन्दरता. कार्यक्रममे शंभू नाथ मिश्र, भवनाथ झा, दिनेश मिश्र, सुनील ठाकुर (सब रंगकर्मी), 'पिया संग प्रीत कोना हम करबै' फेम अभिनेत्री ट्विंकल घोष, सिने पत्रकार भास्कर झा आदि उपस्थित छलाह. 
विदित अछि जे एहि फ़िल्मक गीतकार संजय चौधरी, कुमार शैलेन्द्र, ब्रह्मदेव लाल आ ज्ञानबर्धन कर्ण छथि. संगीत द' रहल छथि पवन नारायण. एहि सं पूर्व 'घोघ मे चांद' लेल कलाकारक चयन हेतु दिल्ली, पटना, दरभंगा आदि स्थान पर ऑडिशनक कार्यक्रम राखल गेल छल. (Report/Photo : भास्कर झा)
Previous Post Next Post