
अहां ई नाटक नहि खेलू, एहि मे किछु नहि अछि. हम स्तब्ध भ' गेलहुं. जिद्द रोपैत नाटक एक बेर फेर पढलहुं. कलाकार चयन कयल. हमर पहिल निर्देशन आ कोलकाता केर महाजाति सदन प्रेक्षागृहक मंच छल. हमरा ओहि ओझड़ायल नाटक कें सोझडयबाक जिदपनी बताह बना देने छल. नाटक 'जुआयल कनकनी' आ नाटककार महेंद्र मलंगिया दुनू हमरा लेल नव प्रयोग छल. संभवतः जुआयल कनकनी मलंगियाक प्रारंभिक नाटक छनि. नाटक मे घात-प्रतिघात आ सस्पेंस भरल छल. मुदा नाट्यकार द्वारा अलग-अलग रूपें संवाद प्रस्तुति नाटकक गहराइ तोडैत छल. नाटक मे ततेक प्रयोग भेल अछि जे सोझरयबाक बदला मे नाटक ओझरा देइत अछि. हम ओहि ओझरायल संवादक बीच दृश्यक माँगक अनुरूपें गीत-संगीत समावेश करबाक प्रयास केलहुं, जाहि सं दर्शक कें ई नीक लगैक. जतय धरि हम बुझैत छी, जे नाटक सामाजिक परिवर्तनक सूत्रधार होइत अछि. नाटकक माध्यम सं अनेको सामाजिक समस्याक हल भ' सकैत अछि. समाज मे जागरूकता बढ़ायल जा सकैत अछि. नाटक माध्यम सं अपन गप्प बजबाक अभिव्यक्ति प्रकट करबाक आजादी भेटैत अछि. नाट्यकार महेंद्र मलंगिया केर प्रायः सभ नाटक सजीव बुझना लगैत अछि. कोनो व्यक्ति वा रचनाकार अपना मे पूर्ण नहि होइत अछि, तहिना महेंद्र मलंगिया भाषा प्रयोग मे त्रुटि बुझना जाइत अछि. हुनक नाटकक संवाद गाम मे पसरल कुरीतिक दस्तावेज त' अछि मुदा दोसर पक्ष तेना नहि देखार अछि. दोसर जे हुनक नाटक में परिवेश आ परिस्थिति चित्रण मे नेपाल झलकैए. जाहि कारण एहि पार नाटक असहज सन लगैत अछि.
जीवंत नाट्य संस्था मैलोरंग द्वारा मलंगिया नाट्य महोत्सव मे जखन मिथिला विकास परिषद् कें नाटक खेलबाक आमंत्रण भेटल, आयोजक पहिनहि बुझि गेल छलाह जे परिषद् हुनक आमंत्रण स्वीकार करत. जखन हमरा एहि मादें मैलोरंग केर निदेशक प्रकाश झाक फोन आयल आ 'जुआयल कनकनी' खेलबाक प्रस्ताव भेटल, तखनहि हम बुझि गेलहुं जे ई निरसल नाटक खेलबा सं बहुतो नाट्यदल परहेज केने होयताह. बतौर निर्देशक-गीतकार रूपें 'जुआयल कनकनी' हमर पहिल नाटक छल. अपन पुरान सहयोगी लोकनिक विचार जानि ई नाटक खेलयबाक स्वीकृति द' देलहुं. फेर व्यक्तिगत कारणवश किछु पुरान सहयोगी रंगकर्मी नाटक खेलयबा सं मना क' देलनि, जिनका जुआयल कनकनी केर कनकन्नीक बोध छलनि. हम झमा क' खसलहुं. मुदा कहबी कहबी छैक इच्छाशक्ति छैक, बाट अवस्स खुजै छैक. पुनः किछु रंगकर्मी सहमति देलनि आ हम सभ तैयारी मे जुटनहु.
मलंगियाक नाटक 'जुआयल कनकनी' केर क्लाइमेक्स अंत धरि छैक. हिनक नाटक यथार्थ पर इजोत देइत छनि. सभ मिला क' महेंद्र मलंगिया नाटकक इतिहास मे 'माइलस्टोन' छथि. मैथिली नाटकक नाट्यकार कें वर्तमान आ अतीतक मुद्दाक संग भविष्यक परिकल्पना पर आधारित नाटक रचना करब समय केर मांग अछि. जाहि कें मैथिली रंगमंच मे आभाव खटकैत अछि. नाटक यथार्थ आ वास्तविकताक पृष्ठभूमि तैयार करबाक गरम मसाला होइत अछि. महेंद्र मलंगिया सं मैथिली रंगमंच कें बहुत अपेक्षा छैक. — अशोक झा