JACKSON HALT : मैथिली सिनेमाक निजगुत पड़ाओ अछि 'जैक्शन हॉल्ट'


मैथिली फिल्म 'जैक्शन हॉल्ट' खूब नीक फिल्म बनल अछि. फिल्म निर्देशक नितिन चन्द्रा सिनेमा कें जाहि उंचाइ पर ठाढ केलनि अछि से स्तुत्य अछि. एहि सस्पेंस थ्रिलर फिल्म मे विद्यापति, यात्री-नागार्जुन, चन्दा झा कें बेस कलाकारी सं एकसंग आनल गेल छनि. 

मैथिली भाषा केर विभिन्न बोलचाल शैली कें फिल्म मे समाहित करब फिल्म कें व्यापक बनबैत अछि. नितिन भाषा कें ल' सजग रहलाह अछि आ हुनक नेशनल अवार्ड विनिंग मैथिली फिल्म 'मिथिला मखान' मे सेहो एहन प्रयोग कें अकानल जा सकैत अछि.

अनुभवी कलाकार रामबहादुर रेणु कें जहिना भरपूर अवसर भेटल छनि, चमत्कार करैत छथि. अभिनेता निश्चल अभिषेक केर अभिनय प्रभावित करैत अछि. पंचायत सीरीज सं फेमस भेल कलाकर दुर्गेश कुमार केर उपस्थिति दर्शक कें उत्साहित करैत अछि, प्रभावित करैत अछि. एहि सं पहिने दुर्गेश कुमार मैथिली फिल्म 'द सस्पेक्ट' मे सेहो महत्वपूर्ण भूमिका केने छथि. फिल्म जाहि मोड़ पर समाप्त होइत अछि, दोसर पार्ट केर प्रतीक्षा शुरू होइत अछि.

एहि फिल्म कें देखैत लगैत अछि जे मैथिली सिनेमा विश्व सिनेमा संगे कान्ह मिला रहल अछि. फिल्मक बैकग्राउंड म्यूजिक सुधी दर्शक केर धियान आकृष्ट करैत अछि. 

ई फिल्म अवश्य देखल जेबाक चाही, निश्चित देखू से कहब!

कोना देखबै?
bejod.in पर जा कें ई फिल्म देखल जा सकैत अछि. मात्र 149 टाका खर्च क' घर बैसल तरुआ खाइत एहि सिनेमाक आनंद लिय'. सिनेमा मे तरुआ पर सेहो नीक चर्चा भेल अछि.

फिल्म जैक्शन हॉल्ट (Jackson Halt) विषय मे निर्माता नीतू चन्द्रा, निर्देशक नितिन चन्द्रा, फिल्म कलाकार रामबहादुर रेणु आ निश्चल अभिषेक संग मिथिमीडिया सम्पादक रूपेश त्योंथ 'ऑनलाइन बैसार' कार्यक्रम मे विस्तार सं बातचीत केलनि अछि. 

बातचीत एतय देखल जा सकैत अछि:
Previous Post Next Post