Amarjeet Jaikar Video Song : मिथिलाक समस्तीपुर जिला केर निवासी अमरजीत जयकर (Amarjeet Jaikar) केर वायरल वीडियो क्लिप जरूर मोन होएत. ओहि मे हुनक आवाज कें सुनि इंटरनेट यूजर सोशल मीडिया केर विभिन्न प्लेटफॉर्म पर खूब सिनेह देने छल. एतेक धरि वायरल भेल जे बॉलीवुड केर दिग्गज गायक-संगीतकार लोकनिक धियान आकर्षित केलक. सोनू सूद, सोनू निगम सहित कतेको नामचीन कलाकार अमरजीत कें बम्बइ बजा कें भेंट केलनि, प्रोत्साहित संवर्द्धित केलनि.
एकटा सैलून चलओनिहार रोहित ठाकुर केर 18 वर्षीय पुत्र अमरजीत देखिते-देखिते बिहार सहित समूचा देशक कलाप्रेमी कें अपन आवाज सं मोहि लेलनि. एम्हर पुनः हुनक एकटा गीत खूब वायरल भ' रहल अछि जे ओ अपन मातृभाषा मैथिली मे गओलनि अछि. ई गीत मूल रूप सं श्रीलंका केर गायिका योहानी द्वारा सिंहली भाषा मे सुनल गेल छल आ खूब लोकप्रिय भेल छल.
'मनिके मागे हिते’ गीतक मैथिली संस्करण (Maithili Version) आब वायरल भ' रहल अछि. अमरजीत केर स्वर मे ई गीत भारी संख्या मे लोक सुनि रहल छथि. एहि क्लिप कें ओ ट्विटर पर शेयर केने छथि. एतय से सुनल-देखल जा सकैत अछि, जकर बोल अछि 'सुकुमारी, तू साड़ी मे लागए अप्सरा:
Manike Mage Hithe का अपना मैथिली भाषा में गाया हूं शायद आप सबको पसंद आए ❤️। #maithili #Bihar #manikemagehithe #Amarjeetjaikar #Bollywood pic.twitter.com/LhRJf4r6dv
— Amarjeet Jaikar (@AmarjeetJaikar3) April 28, 2023