Darbhanga Airport : दरभंगा एयरपोर्ट स्थायी टर्मिनल केर लेआउट तैयार, राज्य सरकार देलक जमीन


Darbhanga Airport : बिहारक दोसर सबसं व्यस्त एयरपोर्ट आ उत्तर बिहार मने मिथिला केर पहिल सबसं व्यस्त दरभंगा एयरपोर्ट लेल स्थायी टर्मिनल केर लेआउट तैयार कएल गेल अछि. राज्य सरकार उड़ान योजनाक तहत लगातार दोसर साल नंबर एक पर रहलाक बाद एहि हवाइ अड्डाक विकास लेल जमीन द' देलक अछि. आब केंद्र सरकार एहि जमीन पर सुविधा विकसित करए जा रहल अछि.

दरभंगा एयरपोर्टक लेआउट प्लान तैयार भ' गेल अछि, जाहि अनुसार दरभंगा एयरपोर्टक स्थायी सिविल टर्मिनल 54 एकड़ मे बनत. जे एयरपोर्टक दक्षिण मे होएत आओर नॉर्थ-इस्ट गलियारा सं जुड़ल होएत. ज्ञात हो जे राज्य सरकार द्वारा रनवे केर विस्तार आ राति मे उड़ान भरए आ उतरए केर सुविधा लेल देल गेल 24 एकड़ अतिरिक्त जमीन पर आइएलएस सिस्टम लगाओल जाएत.

66 हजार वर्ग मीटर मे बनएवला एहि नव टर्मिनल भवनक ब्लू प्रिंट अनुसार दरभंगा एयरपोर्टक मुख्य टर्मिनल दू चरण मे बनत. एहि टर्मिनलक पूरा क्षमता सालाना 42.5 लाख यात्री केर होएत. पीक पीरियड मे एहि ठाम सं एक संग 2000-5000 यात्री यात्रा क' सकैत छथि.
Previous Post Next Post