विद्यापति स्मारक मंच केर संगोष्ठी ओ भेटघांट कार्यक्रम


विद्यापति स्मारक मंच, कोलकाता द्वारा संगोष्ठी ओ नववर्षक भेटघांट कार्यक्रम बीतल रविदिन बागुइआटी प्रक्षेत्र स्थित विद्यापति सदन केर सभागार मे आयोजित भेल. 16 अप्रील कें सांझ 5 बजे सं आयोजित कार्यक्रम मे संस्था केर सदस्य सहित कतेको गणमान्य अतिथि लोकनि सम्मिलित भेलाह. एहि अवसर पर नव कार्यकारिणी केर घोषणा कएल गेल आ संस्था केर आगामी कार्ययोजना सब पर इजोत देल गेल.

कार्यक्रमक आरम्भहि मे दिवंगत कार्यकर्ता अरुण कुमार सिंह कें श्रद्धांजलि अर्पित कएल गेल. हुनक कर्मठता आ समर्पण सं प्रेरणा ग्रहण करैत मां मैथिली केर सेवा मे लीन रहबाक कटिबद्धता प्रकट कएल गेल. हिनक अकस्मात् निधन सं जे अपूरणीय क्षति भेल अछि से पीड़ादायक अछि. मिथिला-मैथिली सेवाकाज कें आगू बढ़ाएब दिवंगत आत्माक प्रति असल श्रद्धांजलि हेतै, एहन भाव व्यक्त कएल गेल.

शिक्षाविद डा. संदीप झा स्मारक मंच केर संरक्षक रूप मे अपन सम्बद्धता प्रकट करैत ऑडियो सन्देश पठओने छलाह जे सभागार मे जारी कएल गेल. अध्यक्ष बृजमोहन झा एवं उपाध्यक्ष शैलेन्द्र कुमार झा, पीताम्बर मिश्र, सचिव हीरानंद ठाकुर, कोषाध्यक्ष गोपाल झा सहित गणमान्य लोकनिक वक्तव्य सं उपस्थित सदस्य लोकनि मे उत्साहक संचार भेल. 


कार्यक्रम मे महानगरक उभरैत कलाकार ज्ञानेन्द्र भास्कर ओ टीम द्वारा गीत-संगीत केर प्रस्तुति सं वातावरण मैथिलीमय बनल रहल. सम्पूर्ण कार्यक्रम मे प्रभास मल्लिक मंच संचालन केलनि. नवल वर्ष पर भेंटघांट केर ई कार्यक्रम विशुद्ध मैथिल खानपान संग सम्पन्न भेल. एहि कार्यक्रम मे भोगेन्द्र झा, जीबेन्द्र मिश्र, शारदानन्द झा, विवेकानन्द झा, विनोदानंद झा, अनिता झा, ईला झा, रूपा चौधरी, सविता मंडल, विभा पासवान, पुष्पा झा, आभा झा, रमाकान्त झा, विजय इस्सर, रूपेश त्योंथ, अरुण झा, सरवन यादव सहित सैकड़ो सदस्य-अतिथि लोकनि उपस्थिति सं गरिमामय माहौल बनल रहल.

स्रोत : विज्ञप्ति
Previous Post Next Post