मैथिली, बांग्ला, संस्कृत सहित 22 क्षेत्रीय भाषा मे भेटत सुप्रीम कोर्ट केर फैसला


प्रधान न्यायाधीश डीवाई चंद्रचूड़ सुप्रीम कोर्ट केर फैसला कें बेसी सं बेसी जनमानस धरि पहुंचेबाक लेल पहल केलनि अछि. एकटा एहन सेवा शुरू करबाक घोषणा भेल अछि जाहि सं संविधान केर आठम अनुसूचि मे दर्ज भाषा सब मे न्यायालय केर फैसला उपलब्ध रहतै. शीर्ष अदालत गणतंत्र दिवस सं ई-एससीआर परियोजना केर एक हिस्सा कें क्रियान्वयन शुरू कएलक, एहि अनुसार किछु भाषा सब मे कोर्ट केर निर्णय नि:शुल्क उपलब्ध करबाओल जेतै.

जस्टिस चंद्रचूड़ कहलनि, ‘हमरा लग इ-एससीआर (परियोजना) अछि, जाहि मे आब लगभग 34,000 निर्णय अछि। ई एकटा नीक खोज सुविधा अछि. हमरा लग आब क्षेत्रीय भाषा भाषा सब मे 1,091 फैसला अछि.’संविधान केर आठम अनुसूचि मे मैथिली सहित 22 भाषा शामिल अछि. 

सुप्रीम कोर्ट केर फैसला ई-एससीआर परियोजनाक अलावा शीर्ष अदालत केर वेबसाइट, ऐप आ राष्ट्रीय न्यायिक डेटा ग्रिड केर निर्णय पोर्टल पर उपलब्ध होएत. शीर्ष अदालत दू जनवरी कें एहि विषयक जानकारी देने छल. एहि सुविधा सं वकील, कानूनक छात्र लोकनि आ आम जनता कें लगभग 34,000 फैसला कें बूझब आसान होएत.
Previous Post Next Post