मिथिला सं जुड़ल कोलकाता रूट केर अनेक ट्रेन रद्द

मिथिला सं जुड़ल कोलकाता रूट केर अनेक ट्रेन रद्द भेल अछि जाहि सं मिथिला क्षेत्र केर लोक कें असुविधा होएत. हावड़ा-वर्द्धमान रेलखंड केर बैंडेल, आदि सप्तग्राम एवं मगरा स्टेशन पर 27 मइ सं 30 मइ धरि नॉन इंटरलॉकिंग कार्य चलत. एहि कारण सं अनेक ट्रेन रद्द कएल गेल अछि, एहि ठाम पूरा लिस्ट देखू: 

1. हावड़ा सं खुजए बला ट्रेन नंबर 13031 हावड़ा-जयनगर एक्सप्रेस 25 मइ सं 30 मइ धरि रद्द अछि. 

2. जयनगर सं खुजए बला ट्रेन नंबर 13032 जयनगर-हावड़ा एक्सप्रेस 26 मइ सं 31 मइ धरि रद्द अछि.

3. सियालदह सं खुजए बला ट्रेन नंबर 13185 सियालदह-जयनगर एक्सप्रेस 26 मइ सं 29 मइ धरि रद्द अछि.

4. जयनगर सं खुजए बला ट्रेन नंबर 13186 जयनगर-सियालदह एक्सप्रेस 27 मइ सं 30 मइ धरि रद्द अछि.

5. कोलकाता सं खुजए बला ट्रेन नंबर 13135 कोलकाता-जयनगर एक्सप्रेस 28 मइ कें रद्द अछि.

6. जयनगर सं खुजए बला ट्रेन नंबर 13136 जयनगर-कोलकाता एक्सप्रेस 29 मइ धरि रद्द अछि.

7. सीतामढ़ी सं खुजए बला ट्रेन नंबर 13166 सीतामढ़ी-कोलकाता एक्सप्रेस 29 मइ धरि रद्द अछि.

8. कोलकाता सं खुजए बला ट्रेन नंबर 13165 कोलकाता-सीतामढ़ी एक्सप्रेस 28 मइ धरि रद्द अछि.

नोट : एतय देल गेल जानकारी मीडिया रिपोर्ट पर आधारित अछि. यात्रा करए सं पहिने अहां रेल विभाग सं अपना स्तर पर विवरण जुटा लेब जाहि सं कोनो प्रकारक असुविधा नहि होएत. 
Previous Post Next Post