विज्ञान प्रसार कएलक सीएम साइंस कॉलेज संग करार, मैथिली भाषा मे होएत विज्ञानक प्रचार


आम जन धरि ओकर भाषा मे विज्ञानक गप कें पहुँचेबाक हेतु संकल्पित ‘विज्ञान प्रसार’ मैथिली भाषा मे तेज गति सँ व्यापक काज करए लेल दरभंगाक प्रसिद्ध सीएम साइंस कॉलेज संग करार कएलक अछि. विज्ञान प्रसारक स्कोपक अंतर्गत बीतल बुधदिन राजधानीक टेक्नोलॉजी भवन मे मैथिली कोर कमिटीक बैसार संपन्न भेल. 

एहि बैसारक पश्चात विज्ञान प्रसारक निदेशक डॉ. नकुल पराशर आ सीएम साइंस कॉलेजक प्राचार्य डॉ. दिलीप चौधरी एमओयू पर हस्ताक्षर कएलनि. एहि करारक बाद मैथिली मे निरंतर प्रकाशित भए रहल पत्रिका ‘विज्ञान रत्नाकर’ संगहि पुस्तक प्रकाशन, ऑडियो-वीडियो निर्माण आ मिथिलाक प्रत्येक विद्यालय धरि मैथिली मे विज्ञानक प्रचार-प्रसार कें गति प्रदान कएल जाएत.

करार पर हस्ताक्षर कएलाक पश्चात विज्ञान प्रसारक निदेशक डॉ. नकुल पाराशर कहलनि, “स्कोपक अंतर्गत हम सभ अनेक भारतीय भाषा मे काज कए रहल छी. विगत डेढ़ साल सँ मैथिली मे किछु काज भए रहल अछि. आइ कोर कमिटीक सहमति सँ सीएम साइंस कॉलेज संग करार संपन्न भेल अछि. हम सभ अगिला एक वित्तीय वर्ष लेल रोडमैप तैयार कएलहुँ अछि. हमर सभक प्रयास अछि जे प्रत्येक मैथिली भाषी धरि विज्ञानक गप हुनक भाषा मे पहुँचाबी. एहि लेल हमरा सभ लग समर्पित टीम अछि."

सीएम साइंस कॉलेज, दरभंगाक प्राचार्य डॉ. दिलीप चौधरी कहलनि, “हमरा सभक लेल ई गौरवक गप अछि जे केंद्रीय विज्ञान आ प्रौद्योगिकी मंत्रालयक स्वायत्त संस्था विज्ञान प्रसार हमरा सभ कें ई महत्वपूर्ण जिम्मेदारी देलक अछि. ई हमर कॉलेज संगहि मिथिला लेल गौरवक गप अछि. हम सभ विज्ञान प्रसार संग मिलि कए विज्ञानक क्षेत्र मे महत्वपूर्ण काज करब." 

एहि सँ पूर्व देशक जानल-मानल वैज्ञानिक डॉ. प्रभात रंजनक अध्यक्षता मे मैथिली कोर कमिटीक बैसार संपन्न भेल. अपन अनेक अनुभव कें साझा करैत डॉ. प्रभात रंजन मैथिली मे कएल जा रहल काजक प्रशंसा आ आगामी काज लेल निर्देशित कएलनि. 

ओ एहि गप पर बल देलनि जे विज्ञान प्रसार गांव-गांव धरि विज्ञानक पहुँच लेल नीक काज कए रहल अछि, एहि लेल मैथिली कोर कमिटीक सदस्य कें सक्रियता संग काज करए पड़त. विज्ञान प्रसारक वैज्ञानिक डॉ. कपिल त्रिपाठी अपन वक्तव्य मे एकर प्रचार-प्रसार मे विपनेटक भूमिका कें रेखांकित कएलनि.

कोर कमिटीक बैठक मे दिल्ली विश्वविद्यालयक प्रो. इन्द्रकांत सिंह, प्रो. रूबी मिश्रा, रांची विश्वविद्यालयक डॉ. आनंद कुमार ठाकुर, विज्ञान प्रसारक मानवर्धन कंठ, आलोक कुमार, डॉ. प्रकाश झा, सुभाष चंद्र, संजीव सिन्हा, रौशन झा, सीएम सांइस कॉलेजक डॉ. सुजीत कुमार चौधरी आ डॉ. सत्येंद्र कुमार झा उपस्थित छलाह. सभ केओ आगामी एक साल मे विज्ञान प्रसार लेल मैथिली मे की सभ काज कएल जा सकैत अछि, एहि संबंध मे विचार-विमर्श कएलनि.

स्रोत : विज्ञप्ति
Previous Post Next Post