Darbhanga Airport : दरभंगा एयरपोर्ट पर मैथिली भाषा मे शुरू भेल घोषणा


रेलवे स्टेशन जकां आब एयरपोर्ट पर सेहो मैथिली मे घोषणा सुनल जा रहल अछि. दरभंगा एयरपोर्ट (Darbhanga Airport) पर यात्री सब लेल मैथिली भाषा मे घोषणा शुरू भेल अछि. दरभंगा एयरपोर्ट पर यात्रीक आगमन-प्रस्थान लेल जे जानकारी पहिने हिन्दी आ अंग्रेजी मे देल जा रहल छल, से आब मैथिली मे सेहो देल जा रहल अछि. 

बीतल सोमदिन 16 मइ 2022 सं मैथिली भाषा मे उड़ान आ अन्य गतिविधिक घोषणा शुरू भेल अछि. लोक एहि नव पहल केर स्वागत केलनि अछि. स्थानीय भाषा कें महत्व देबाक मांग बहुत दिन सं स्थानीय स्तर पर कएल जा रहल छल. केंद्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री ज्योतिरादित्य सिंधिया कें बधाइ देइत दरभंगा केर सांसद गोपालजी ठाकुर एहि लेल नरेन्द्र मोदी सरकार कें धन्यवाद देलनि अछि. 

दरभंगा रेलवे स्टेशन पर मैथिली भाषा मे उद्घोषणा सं स्थानीय यात्री सब कें बेस सुविधा होइ छनि. तहिना दरभंगा एयरपोर्ट पर मैथिली भाषा मे घोषणा सं मिथिलाक लोक कें अपन भाषा मे जानकारी भेटि रहल छनि. एकर संगहि बाहरी आगंतुक लोकनि मे मिथिलाक भाषा मैथिली विषय मे ज्ञात होइ छनि जाहि सं एकटा नीक सन्देश पसरि रहल अछि.


दरभंगा पहिल एहन एयरपोर्ट अछि जतय मैथिली भाषा मे घोषणा शुरू भेल अछि. राज्यक एकमात्र भाषा मैथिली अछि जकरा संविधान द्वारा मान्यता प्राप्त छै. पटना एयरपोर्ट माध्यम सं यात्रा केनिहार मैथिल लोकनि मांग करैत रहल छथि जे राजधानीक एयरपोर्ट पर सेहो मैथिली भाषा मे घोषणा कएल जेबाक चाही. 

ओतहि दरभंगा एयरपोर्ट कें बात करी त' एखन एकर नामकरण कएल जाएब सेहो बाकी अछि. संगहि जेहन व्यावसायिक सफलता एहि एयरपोर्ट कें भेटि रहल छै, ताहि तुलना मे यात्री सुविधा नगण्य अछि. एहि दिशा मे सेहो लगातार प्रयास कएल जेबाक आवश्यकता छै. 

एतय एहि बात कें सेहो धियान रखबाक छै जहिना रेलवे स्टेशन पर अधिकारी लोकनि उदासीनता कारण सं बीच-बीच मे उद्घोषणा बंद क' देइत छथि तहिना एयरपोर्ट पर नै हो. मैथिली भाषी लोकनि कें साकांक्ष रहब जरूरी अछि जाहि सं मैथिली भाषा मे जे घोषणा शुरू भेल अछि से लगातार जारी रहए!

फोटो साभार : विकिपीडिया
Previous Post Next Post