उदित नारायण बनलाह पितामह, पोती केर जन्म सं हर्षक वातावरण


प्रसिद्ध गायक उदित नारायण झा केर घर मे पोती जन्म लेलकनि अछि. बेटा आदित्य नारायण झा केर पत्नी श्वेता अग्रवाल बेटी संतान कें जन्म देलनि अछि. ई खुशखबरि आदित्य नारायण झा स्वयं सोशल मीडिया माध्यम सं सब कें देलनि अछि. ओतहि उदित बाबू सेहो सब कें एहि विषयक समाद सोशल मीडिया पर देलनि. सब दिस सं हुनका लोकनि कें स्नेह आ बधाइ भेटि रहल छनि.

उदित नारायण अपन सोशल मीडिया पर बेटाक विवाह केर फोटो शेयर करैत पोती जन्म केर खुशखबरि देलनि आ इहो लिखलनि जे ओ आब 'दादा' बनि गेलाह अछि. वास्तव मे इहो पदवी भेटब जीवन मे उल्लास ल' क' अबैत छै! ओतहि आदित्य नारायण इंस्टाग्राम आ 'कू ऐप' पर अपन विवाह केर फोटो शेयर करैत बेटी जन्म केर समाद सब कें देलनि. 


आदित्य फोटो केर कैप्शन मे खबरि देइत यूनिभर्स कें धन्यवाद ज्ञापित केलनि अछि. जानकारी हो जे श्वेता अग्रवाल 24 फरवरी 2022 कें मुंबइ स्थित एक नर्सिंग होम मे बेटी कें जन्म देने छलीह. होस्ट आ सिंगर आदित्य नारायण अपन बेटीक जन्मदिन सेहो शेयर केलनि अछि.

जखने आदित्य नारायण खुशखबरि देलनि कि फैन सब हुनका ढेर रास बधाइ देब शुरू क’ देलकनि संगहि बचिया कें खूब आशीर्वाद सेहो सब देलनि. आदित्य नारायण मीडिया सं बातचीत करैत अपन खुशी व्यक्त केलनि आ कहलनि जे हुनका घर मे ननकिरबी केर जन्म सं माता-पिता सहित सब उत्साहित छथि. ज्ञात हो जे साल 2020 मे आदित्य नारायण अपन लॉन्ग टाइम गर्लफ्रेंड श्वेता अग्रवाल संग विवाह केने छलाह. मिथिमीडिया दिस सं परिवार कें बहुत-बहुत बधाइ आ बुच्ची कें खूब आशीर्वाद!

Previous Post Next Post