आदित्य नारायण झा ओ श्वेता अग्रवाल केर गठबन्हन!

Aditya Narayan Wedding: गायक-अभिनेता आदित्य नारायण झा केर विवाहक समाद फेर चर्चा मे बनल अछि. बताओल जा रहल अछि जे आदित्य अपन गर्लफ्रेंड श्वेता अग्रवाल संग दिसंबर मे विवाह क' रहल छथि. कोरोना कें देखैत विवाह समारोह एकदम सामान्य होएत. हालांकि बाद मे जखन स्थिति सामान्य होएत त' भव्य रिसेप्शन सेहो राखल जाएत.

मीडिया रिपोर्ट केर अनुसार, एक इंटरव्यू मे आदित्य स्वयं एहि पर बात केलनि अछि. आदित्य कहलनि जे ओ 1 दिसंबर कें विवाह क' रहल छथि. विवाह कोनो मंदिर मे आयोजित होएत जतय परिवारक सदस्य आ खास दोस्त लोकनि शामिल भ' सकै छथि. एखन महाराष्ट्र मे विवाह समारोह मे 50 सं बेसी लोक कें जुटबा पर रोक लागल अछि.

श्वेता अग्रवाल के' छथि?

श्वेता अग्रवाल फिल्म आ टीवी एक्ट्रेस छथि जे आदित्य संगे हुनक फिल्म शापित मे अभिनेत्री रूप मे बड़का पर्दा पर आएल छलीह. लगभग 10 साल सं दुनू रिलेशनशिप मे छथि. आदित्य अपन इंटरव्यू मे इहो कहैत छथि जे हुनक माता-पिता दीपा नारायण झा ओ उदित नारायण झा कें सेहो श्वेता पसंद छथि. 

एहि सं पहिने इंडियन आइडल सेट पर नेहा कक्कर आ आदित्य नारायण केर विवाहक खबरि उड़ल छल. मुदा से महज एक पब्लिसिटी स्टंट साबित भेल.

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)

Previous Post Next Post