आबूधाबी मे धूमधाम सं रंगोत्सव काव्य संध्या केर आयोजन


आबूधाबी काव्य मंच’ 'महिला काव्य मंचआ सहयोगी मंच 'साहित्योदयतथा 'साहित्य अर्पणकेर सौजन्य सं 20 मार्च2022 कें 'रंगोत्सवकाव्य संध्या केर आयोजन यूएइ केर राजधानी आबूधाबी मे भेल. एहि काव्य संध्या मे 24 कवि लोकनि भाग लेलनि आ अपन रचना प्रस्तुत कएलनि.

स्नेहा देवअध्यक्ष यूएइ 'महिला काव्य मंच', ललिता मिश्रा अध्यक्ष आबूधाबी 'महिला काव्य मंच', मुख्य अतिथि स्मृति भार्गवविशिष्ट अतिथि नीरज भार्गव एवं नीरज रिटोलिया द्वारा दीप प्रज्ज्वलन पश्चात पद्मावती कँवर जी अपन मधुर वाणी मे सरस्वती वंदना प्रस्तुत कएलनि. पावनी बारटके द्वारा नृत्य प्रस्तुत कएल गेल आ नरेश गुप्ता 'नाज़संस्थापक 'महिला काव्य मंचकेर आशीष वचन सं कार्यक्रम केर शुरुआत कएल गेल. ललिता मिश्रा एवं अजीत झा केर अभिनंदन वक्तव्यक बाद निशा झा एवं भावना झा मंच संचालित केलनि.

एहि काव्य संध्या पर मीरा ठाकुर, स्नेहा देवदेवयानी औटीकरुणा राठौर 'टीना', शत्रुजीत जीपद्मावती कँवरहरमीत रैनामधुलिका जीनिशा झा, अजीत झाडॉ. नितिन उपाध्यायअवधेश राणाअनिकेत जीभावना जीनेहा शर्माऋचा मित्तलकौसर भुट्टोअचल मिश्रा, ललिता मिश्रा, डॉ. पल्लवी बारटके, रूपाली मावजो द्वारा ,  द्वारा जीवन आ हास्य सं जुड़ल रचना सुनि श्रोता लोकनिक मन विभोर भेलनि. आभार प्रकट करैत स्नेहा देव 'रंगोत्सवकाव्य संध्या कें एकटा अविस्मरणीय कहलनि. अवधेश राणा सब कें धन्यवाद ज्ञापन करैत आभार प्रकट कएलनि.

एहि अवसर पर कवि लोकनि कें सहभागिता प्रमाणपत्र ओ मिठाइ देल गेलनि. कार्यक्रम मे 'आबूधाबी काव्य मंचकेर कवि लोकनिक प्रथम साझा काव्य संग्रह 'सृजनकेर  लोकार्पण मुख्य अतिथि स्मृति भार्गवनीरज भार्गव एवं नीरज रिटोलिया द्वारा कएल गेल. पुस्तक विमोचन सत्र केर अध्यक्षता हरमीत रैना द्वारा संपन्न भेल.

भाषा-संस्कृति कें प्रचार-प्रसार लेल एहन कार्यक्रम बेस उपयोगी अछि आ बच्चा सब कें अपन संस्कृति विषय मे जानकारी देबाक चाही एहि बात पर अतिथि लोकनि जोर देलनि. एहि कार्यक्रम मे अनेक भारतीय भाषा सबहक कवि लोकनि सम्मिलित भेल छलाह.
Previous Post Next Post