मिथिला सेवा ट्रस्ट केर फगुआ मिलन ओ सांस्कृतिक समारोह


सामाजिक संस्था मिथिला सेवा ट्रस्ट द्वारा 'फगुआ मिलन समारोह' केर भव्य आयोजन कोलकाता केर बागुइहाटी जरदाबगान स्थित बंधु महल क्लब प्रांगण मे उल्लासपूर्वक सम्पन्न भेल. रविदिन 4 अप्रील कें बेरिया 4 बजे सं शुरू भेल कार्यक्रम मे महानगरक सामाजिक-सांस्कृतिक व्यक्तित्व लोकनिक नीक जुटानी रहल. एहि अवसर पर सांस्कृतिक अनुष्ठान सेहो देर सांझ धरि चलैत रहल.

विद्यापति केर प्रतिमा पर माल्यार्पण संग शुरू भेल कार्यक्रम दू सत्र मे विभक्त छल. पहिल सत्र मे अतिथि लोकनिक स्वागत-सम्मान ओ संभाषण भेल. देव राज चक्रवर्ती, पार्थ सरकार, अदिति मुंशी, पं. नवीन झा, शिव चरण शुक्ला, अजय कुमार झा, दीपक झा, धनंजय ठाकुर, धीरज कुमार झा, कुंदन मंडल आदि लोकनि अतिथि रूप मे उपस्थित छलाह. एहि सत्र केर संचालन मिथिला सेवा ट्रस्ट केर संस्थापाक चेयरमैन रमा कान्त झा केलनि.
 

मिथिला रत्न विभूषित रामसेवक ठाकुर केर नेतृत्व मे आयोजित सांस्कृतिक कार्यक्रम मे सुप्रसिद्ध गायिका ज्योति प्रिया, साक्षी साव सहित नाल वादक कलाकार रंजीत प्रसाद केर प्रस्तुति सं लोक भाव-विभोर भेलाह. फगुआ गीत सहित मिथिला संस्कृति सं जुड़ल गीत प्रस्तुति सं माहौल गुंजायमान रहल.
 

कार्यक्रम कें सफल बनबए मे अमर नाथ मिश्र, सुनील कुमार झा, बिजय कान्त झा, ललन राय, शशि कान्त झा, सुधीर कुमार झा (मुन्ना जी), प्रदीप कुमार झा, धनंजय झा, शिव शंकर झा, राकेश राय, विनोद कुमार यादव, श्याम मिश्र, रमण झा, रमेश झा, रमेश मिश्र, संजय झा, सुधीर चौधरी, कुंडल मंडल, उग्र नाथ झा, मिश्री लाल झा, हरे कृष्ण झा, कुशेन्द्र झा, निलेश झा, पं. नवीन झा, पं. जय कुमार झा, शिव कुमार मिश्र आदि अनेक सदस्य लोकनिक महत्वपूर्ण भूमिका रहलनि.


फगुआ मिलन कार्यक्रम सं मिथिला सेवा ट्रस्ट केर सदस्य लोकनि द्वारा सामाजिक समरसता, प्रेम-स्नेह केर सन्देश देल गेल. ट्रस्ट केर संस्थापक चेयरमैन रमा कान्त झा कहलनि जे सदस्य लोकनिक सहयोग-समर्थन सं हम सब एक सं एक कार्यक्रम करबा मे सक्षम होइ छी. सब गोटे कें हार्दिक बधाइ!

(मैथिली भाषा मे उपयोगी सामग्री हेतु मिथिमीडिया केर यूट्यूब चैनल सब्सक्राइब करू. लगातार टटका अपडेट सब लेल अहां फेसबुकट्विटर आ इन्स्टाग्राम पर सेहो फॉलो क' सकै छी.) 
Previous Post Next Post