वरिष्ठ साहित्यकार रामलोचन ठाकुर निपत्ता, तक्काहेरी केर सिलसिला जारी


मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार रामलोचन ठाकुर शुक्रदिन भोर सं निपत्ता छथि. मैथिली मे मौलिक लेखन केर अतिरिक्त ओ बांग्ला केर कतेको पोथी मैथिली भाषा मे अनुवाद केने छथि. जाहि मे माणिक बंदोपाध्याय, शक्ति चट्टोपाध्याय ओ हुमायूं अहमद केर पोथी शामिल अछि. ओ कतेको पत्रिका सभक सम्पादक सेहो रहल छथि. हाल धरि ओ मैथिलीक सब सं प्रतिष्ठित पत्रिका 'मिथिला दर्शन' केर सम्पादन क' रहल छलाह.
 
बीतल किछु साल सं ठाकुरजी अल्जाइमर सं ग्रसित छलाह आ इलाज चलि रहल छलनि. ओ 12 फरवरी कें भोरे घर सं टहलैत विदा भेलाह से घुरि नै अएलाह. ओ कलकत्ता स्थित अपन निवास दमदम लग इटालगच्छा रोड इलाका सं निपत्ता भेलाह अछि. एहि विषयक सूचना पुलिस कें देल गेल अछि. 
श्री ठाकुर कें ताकि अनबाक काज मे शहरक साहित्यिक वर्ग सं ल' कतेको कार्यकर्ता दिन-राति लागल छथि. 

ज्ञातव्य हो जे रामलोचन ठाकुर बेस आश्चर्यजनक रूप सं कतहु हेरा गेलाह अछि. गहन खोज प्रक्रिया अपनाओल जा रहल अछि, तथापि भेटबाक कोनो सूचना नै आबि रहल अछि. हिनका विषय मे कोनो सूचना सबिता (9433912135) अथवा आलोक (9007267031) कें देल जा सकैत अछि.

- - - - -

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.) 
Previous Post Next Post