राज्यसभा मे क्षेत्रीय भाषाक उपयोग 5 गुन्ना बढ़ल, मैथिली कतए?

 
Maithili Language in Rajya Sabha: राज्यसभा केर कार्यवाही मे क्षेत्रीय भाषा सभक उपयोग 2018-2020 मे बहुत बेसी बढ़ल अछि. संस्कृत भाषाक बात करी त' हिन्दी, तेलुगु, उर्दू आ तमिल कें बाद 22 अनुसूचित भाषा मे सब सं बेसी उपयोग भेल अछि. सभापति एम वेंकैया नायडू कार्यवाही मे नियमित रूप सं क्षेत्रीय भाषा सभक उपयोग पर सदन केर सदस्य लोकनि सं आग्रह करैत रहलाह अछि.

राज्य सभा सचिवालय द्वारा जारी आंकड़ा अनुसार, सदन केर कार्यवाही मे हिन्दी आ अंगरेजी व्यापक रूप सं उपयोग होइत रहल अछि. हिन्दी कें अलावे शेष 21 अन्य अनुसूचित भारतीय भाषा केर उपयोग 5 गुन्ना बढ़ल अछि.
 
डोगरी, कश्मीरी, कोंकणी आ संथाली भाषा केर उपयोग पहिल बेर देखल गेल अछि. ओतहि असमिया, बोडो, गुजराती, मैथिली (Maithili Language), मणिपुरी आ नेपाली भाषा केर उपयोग भेल अछि मुदा से एकटा नमहर अंतराल पर! श्री नायडू सदन सदस्य लोकनि सं संघीय प्रकृति केर भावना रखैत मातृभाषा मे बात रखबाक अपील करैत रहैत छथि. उल्लेखनीय अछि जे ओ स्वयं 10 भाषाक उपयोग केलनि अछि.

2013-17 (329 सिटिंग्स) आ 2018-20 (163 सिटिंग्स) केर अवधि मे क्षेत्रीय भाषा केर उपयोग क्रमशः एना अछि – तमिल (32 आ 18), तेलुगु (19 आ 33), उर्दू (19 आ 24), बांग्ला  (6 आ 17), संस्कृत (0 आ 12), मराठी (3 आ 6), ओड़िया (5 आ 6), कन्नड़ (2 आ 5), पंजाबी (2 आ 3), मलयालम (2  आ 0) आ असमिया (0 आ 2).
 
एहि लिस्ट मे मैथिली भाषा देखबा मे नै आएल अछि, स्पष्ट अछि ततेक कम उपयोग भेल अछि जे कोनो मीडिया रिपोर्ट मे लिस्ट मे राखब उचित नै बूझल गेल अछि. हमरा लोकनि कें अपन क्षेत्रक प्रतिनिधि सं प्रश्न करबाक चाही जे जओ ओ लोकक भाषा पटल पर नै राखि सकै छथि त' लोकक समस्या पटल पर रखबा मे कतेक सक्षम छथि!

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post