मिथिला सेवा ट्रस्ट केर वार्षिकोत्सव ओ सम्मान समारोह रहल झमटगर


सामाजिक संस्था मिथिला सेवा ट्रस्ट केर दू दिवसीय वार्षिकोत्सव मे आध्यात्मिक, सांस्कृतिक आ सामाजिक कार्यक्रम बेस झमटगर रूपें संपन्न भेल. कोलकाता केर बागुइहाटी जरदाबगान स्थित बंधु महल क्लब प्रांगण मे समारोहक पहिल दिन (16 जनवरी 2021) सामूहिक हनुमान चालीसा पाठ तथा 24 घंटा अखंड अष्टयाम संकीर्तन राखल गेल छल. दोसर दिन (17 जनवरी 2021) मिथिला विभूति पर्व मनाओल गेल जाहि मे सम्मान समारोह ओ सांस्कृतिक अनुष्ठान आयोजित भेल.


दू दिवसीय कार्यक्रम केर पहिल दिन जरदाबगान केर बंधु महल क्लब प्रांगण आध्यात्मिक माहौल सं परिपूर्ण रहल. पहिल दिनक कार्यक्रम केर उद्घाटन सुप्रसिद्ध समाजसेवी जय प्रकाश नारायण झा केलनि. संकीर्तन मे महानगरक मैथिली भाषी मंडली सब द्वारा सामूहिक हनुमान चालीसा पाठ ओ 24 घंटा अखण्ड अष्टजाम केर आयोजन भेल. क्लब प्रांगण लग अवस्थित विद्यापति प्रतिमा क्षेत्र सहित महादेव मंदिर भक्तिमय वातावरण सं गूंजित रहल. कोरोना कें देखैत आवश्यक सावधानी रखैत भारी संख्या मे लोकक जुटानी देखल गेल. ट्रस्ट दिस सं मास्क-सेनिटाइजर केर इंतजाम राखल गेल छल. संध्या आरती भेलाक बाद उपस्थित भक्तगण प्रसाद ग्रहण केलनि. विषम परिस्थिति रहितो जेना पुरुष सहित महिला लोकनिक भारी उपस्थिति आह्लादकारी छल.

दोसर दिन विभूति पर्व कार्यक्रम केर उद्घाटन श्रीमती मालती झा द्वारा दीप प्रज्ज्वलित क' भेल. एकर बाद मंच पर उपस्थित अतिथिगण ओ संस्था सदस्य सब द्वारा विद्यापति प्रतिमा पर पुष्प अर्पित कएल गेल. ज्ञात हो जे एहि ठाम मिथिला सेवा ट्रस्ट केर प्रयास सं विद्यापति केर स्थायी प्रतिमा स्थापित अछि. पुष्प अर्पण कएलाक बाद गोसाओनिक गीत 'जय जय भैरवि' सं कार्यक्रम शुरू भेल जे सुप्रसिद्ध संस्कृतिकर्मी रामसेवक ठाकुर द्वारा गाओल गेल.


एहि अवसर पर उपस्थित समस्त अतिथि लोकनि कें मिथिला सेवा ट्रस्ट केर सदस्य लोकनि द्वारा पाग-दोपटा पहिरा सम्मानित कएल गेलनि. एकर संगहि उपस्थित अतिथि लोकनि अपन उदगार सेहो व्यक्त केलनि. ट्रस्ट दिस सं प्रत्येक साल देल जाएबला मिथिला संकीर्तन मंडली सम्मान श्री प्रहलाद सिंह कें त' बाबू साहेब चौधरी सम्मान श्री गंगा झा कें देल गेलनि. मिथिला सेवा ट्रस्ट केर संस्थापक चेयरमैन रमा कान्त झा पहिल सत्र केर संचालन करैत कहलनि जे जनसेवा आ राष्ट्रक आध्यात्मिक उन्नति केर संदेश वार्षिकोत्सव माध्यम सं देल गेल अछि. एहि सत्रक समाप्ति जरूरतिमंद लोकनि मे कम्बल वितरण संग भेल.

 
कार्यक्रमक दोसर सत्र मे मिथिलाक कलाकार लोकनि द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कएल गेल. मिथिला रत्न विभूषित रामसेवक ठाकुर केर नेतृत्व मे हेमकान्त झा प्यासा, ज्योति प्रिया, सरोज चौधरी आदि कलाकार लोकनि अपन गायन सं माहौल मिथिलामय केने रहलाह. कोरोना संकट केर कारण सं एकटा अंतरालक लोक एहन सन अनुष्ठान कें देखि-सुनि आनंदित भेल. कलाकार लोकनि एक सं एक गीत प्रस्तुत क' श्रोता कें बन्हने रहलाह. एहि अवसर पर अतिथिक रूप मे श्रीमती मालती झा सहित सर्वश्री नवीन झा, प्रेम झा, प्रहलाद सिंह, पार्थ सरकार, सोमेश्वर बागुइ, अभय झा, अरुण सिंह, शिव चरण शुक्ला, रूपेश त्योंथ आदि लोकनि उपस्थित छलाह.


वार्षिकोत्सव केर सफल आयोजन मे सर्वश्री सुनील कुमार झा, अमर नाथ मिश्र, शशि कान्त झा, विजय झा, ललन राय, राकेश राय, श्याम मिश्र, रमेश मिश्र, नवीन झा, धनंजय झा, उग्र नाथ झा, प्रदीप कुमार झा, रमण झा, विनोद कुमार यादव, रमेश झा, सुधीर चौधरी, मिश्री लाल झा, मिथिलेश मिश्र, निलेश, झा, सुधीर कुमार झा (मुन्ना जी), कुशेन्द्र झा (नाल वादक), हरे कृष्ण झा, उमेश राय, शंकर राय, विकास चौधरी, विनय चौधरी, जय कुमार झा (गायक), दिलीप कुमार झा, इन्द्र कान्त झा आदि लोकनिक महत्वपूर्ण भूमिका रहलनि. 

सम्पूर्ण कार्यक्रम मे मिथिला सेवा ट्रस्ट केर सदस्य लोकनिक उत्साह अपन चरम पर देखल गेल. ट्रस्ट केर संस्थापक चेयरमैन रमा कान्त झा कहलनि जे सदस्य लोकनिक सहयोग-समर्थन सं अभिभूत छथि. आगामी दिन मे सेहो संस्था बेहतर कार्ययोजना सब कें मूर्त करत से विश्वास छनि.


(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)   
Previous Post Next Post