अयोध्या राम मंदिर केर नबका मॉडल अछि भव्य - Ayodhya Ram Mandir Model

श्रीराम जन्मभूमि पर भव्य-दिव्य मंदिर निर्माण (Ayodhya Ram Mandir Model) लेल भूमि पूजन होएब निश्चित अछि. ओहि सं पहिने मंदिरक नबका मॉडल लोकक सोझां आबि गेल अछि. कतेको विशिष्ट लोकनिक उपस्थिति मे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी हाथे भूमि एवं शिला पूजन होएत. जानकारी हो जे पहिने सेहो मंदिरक मॉडल बनाओल गेल छल जाहि मे दूटा गुंबद आ शिखर बनल छल.

नबका मॉडल मे गुंबद केर संख्या पांच कएल गेल अछि. शिखर 161 फीट उंच होएत आ मंदिरक आधार सेहो बढ़ा देल गेल अछि. कहल जा रहल अछि जे मंदिर मे हजार संख्या मे भक्त बैसि सकैछ. मंदिर केर एहि प्रारूप कें साकार करबा मे तीन सं साढ़े तीन साल लागि सकैत अछि. राम मंदिर ट्रस्ट केर सदस्य कामेश्वर चौपाल मीडिया सं कहलनि जे प्रस्तावित राम मंदिर प्रारूप केर भू-तल बला हिस्सा मे जे पाथर लागत से तैयार क' लेल गेल अछि. राम मंदिर केर भू-तल मे सिंहद्वार, गर्भगृह, नृत्यद्वार, रंगमंडप बनत. एकर अलावे मंदिर मे 212 खाम्ह रहत. पहिल मंजिल मे 106 खाम्ह आ दोसर मंजिल मे 106 खाम्ह बनाओल जाएत. प्रत्येक खाम्ह सब पर 16 मूर्ति बनल रहत. मंदिर मे दूटा चबूतरा सेहो रहत, जेना कि कहल जा रहल अछि. प्रधानमंत्री रामनगरी मे पवित्र अभिजित मुहूर्त मे आधारशिला राखए जा रहल छथि. ओ एहि मे नौ ईटा केर प्रयोग करताह जे चारि दिशा, चारि कोण आ स्थान देवता केर परिचायक होएत. प्रधानमंत्री रामजन्मभूमि, स्थान-वास्तु सहित आधारशिला मे प्रयुक्त होमएबला ईटा केर पूजन करताह.

फोटो स्रोत: श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र ट्रस्ट

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post