भयावह बाढि सं एना करू बचाव - FLOOD SAFETY TIPS


मिथिला मे बाढि आएब एकर सोहाग-भाग भेल छै. गंगा मे कतेक पानि बहि गेल, हिमखण्ड कतेको गलि-गलि ढहैत रहल मुदा सहरजमीन पर स्थिति जहिना केर तहिना. सरकार बनैत, खसैत रहल धरि मिथिला लेल धनसन. एतुका लोक सरकार सब लेल भोट खसबएबला रोबोट सन अछि.
मिथिला लगातार बाढि केर विभीषिका झेलबा लेल बाध्य रहल अछि. कखनो बेसी त’ कखनो कम, नोकसान निश्चिते होइ छै. नदी-धार सं भरल एहि क्षेत्र मे नेपाल दिस सं छोड़ल पानि बाढि केर स्थिति बनबैत अछि. बाढि जखन अबिते छै त’ कने एकरत्ती सावधानी रखने जानमाल केर सुरक्षा होइ छै. सरकार दिस सं बचाव आ राहत देबाक रूटीन टास्क सं कतेक मदति भेटैत छै से सब कें बूझल होएत. एहना मे स्वयं बचाव लेल तैयार रहब नीक. विशेष रूप सं परिवारक समर्थ लोक सब बच्चा आ बुजुर्ग लोकनिक केयर कोना क’ सकैत छथि से एतय देखल जा सकैत अछि.

बाढि सं बचबाक लेल जरूरी उपाय – FLOOD SAFETY TIPS

बाढि बहुत तेजी सं बढैत अछि तैं अपडेट रहू जे पानि कतेक दूर धरि आ कतेक स्पीड सं आबि रहल अछि. पानि आबि गेल अछि त’ ओकर जलस्तर कतेक छै आ रिस्क केर सम्भावना केहन बनि रहल छै सेहो जानकारी मे राखि ली. विशेष क’ राति सन समय मे परिजन केर सुरक्षा कें ल’ चौंचक रही.
एखन बिजली सेवा सेहो सबतरि देखबा मे अबैछ. बाढि केर स्थिति मे बिजली सेवा बाधित रहबाक चाही तैं इजोतक अतिरिक्त इंतजाम राखल करी. पेट्रोल अथवा डीजल जनरेटर केर उपयोग एहन स्थिति मे नै करबाक चाही. बिजलीक कोनो यंत्र हो त’ से बन्न क’ देबाक चाही. बाढि सं जुड़ल विशेष उपयोगी जानकारी एतय देखू:


(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post