पुलिसेक जीप सं पेट्रोल चोरी करैत धराएल पुलिसकर्मी

पुलिसक काज अछि चोर कें पकड़ब मुदा पुलिसे चोरी मे पकड़ाएल अछि. बेसी फटकी नै जेबाक काज अछि, ई अजगुत घटना बिहारक सारण जिला मे भेल अछि. सोशल मीडिया पर एहि मामिलाक वीडियो धरि वायरल भ’ रहल अछि. वीडियो मे साफ देखल गेल अछि जे एक पुलिसकर्मी अपन थानाक गाड़ी मे सं पेट्रोल चोरा रहल अछि. पुलिसकर्मी पुलिसक गश्ती जीप सं पेट्रोल निकालि रहल छल कि कोनो नीक लोक नुका क’ वीडियो बना लेलक आ सोशल मीडिया पर छोड़ि देलक. 

फेर त’ वीडियो वायरल होएबाके छलै. कोनो सोशल मीडिया यूजर ई वीडियो सारण  एसपी केर पर्सनल मोबाइल पर भेज देलक. सारण एसपी हरकिशोर राय तुरंत ओहि पुलिसकर्मी कें गिरफ्तार क’ जेल पठा देलनि.



घटना संबंध मे कहल जा रहल अछि जे पुलिस जिप्सी भगवान बाजार थाना अंतर्गत एक गैरेज मे रिपेयरिंग लेल राखल छल, जतय एक पुलिसकर्मी पेट्रोल चोरी मे लीन छल आ कोनो उकट्ठी एहि अजीब घटनाक वीडियो बना लेलक. वीडियो वायरल होइत-होइत सारण जिला एसपी लग पहुंचि गेल आ फेर जे भेलै से इतिहासे कहल जाए!

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post