मधुबनीक एहि गाम मे गाछ पर भेटल अजोध अजगर, जनता मे भय व्याप्त

अचक्के अजगर सं जखन सामना भ' जाए त' कहनो हिमतिगर लोक कें हालति खराब होएब स्वाभाविक. एहिना एक घटना तखन देखल गेल जखन एक महिला मवेशी ल' बाध मे चरबए पहुंचल. महिला देखैत अछि जे एकटा गाछ पर विशाल अजगर विश्राम क' रहल अछि. 

घटना मधुबनी जिलाक मैनही गामक अछि जाहि ठामक लोक अजगर कें देखि अचंभित आ भयभीत अछि. लौकही प्रखंडक अंधरामठ थाना अंतर्गत नरेंद्रपुर पंचायतक मैनही गाम मे महिला कें ई अजगर सं भेंट भेल. महिलाक कहने करमान लागल लोक अजगर कें देखबा लेल आएल किन्तु अजगर निचैन भेल आराम फरमओबैत रहल.



ग्रामीण विश्वंभर प्रसाद मीडिया कें कहलनि, गामक महिला जानकी देवी मवेशी चरबए लेल आ घास कटबाक लेल बाध दिस गेल छलीह. अचक्केके हुनक नजरि विशाल अजगर पर पड़ैत अछि. ओ जखन अजगर कें देखि हल्ला मचओलनि त' लोक सब जुटल. ई क्षेत्र मे अपना तरहक पहिल घटना अछि. कोसी, त्रियुगा एवं घोरहदह नदी सब सं प्रभावित एहि गाम मे पहिल बेर अजगर कें देखल गेल अछि.

>> क्या आप जानते हैं पान खाने के कितने सारे फायदे हैं?

लोकक मानब अछि जे एहि साल आएल बाढि मे पहाड़ी जंगल सं ई अजगर एम्हर आबि गेल अछि. एक दिस लोक बेस कौतुहल सं अजगर देखैत रहल त' ओतहि महिला सब बाल-बच्चा कें ल' चिंतित देखल गेलीह. राति-बिराति अजगर कोनो अनिष्ट ने करए, ताहि ल' क्षेत्र मे भय व्याप्त भ' गेल.

एखन अजगर ओहि जगह सं कतहु चल गेल अछि. सूचना थाना कें देल गेल अछि. हालांकि अजगर कोनो बेसी दूर नै गेल होएत. वन विभाग द्वारा एकर खोज क' सुरक्षित क्षेत्र मे भेजि देल जेबाक चाही.


(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)

Previous Post Next Post