ऑफिस सब बन्न अछि मुदा मुसद्दी भटकि रहल छथि 'ऑफिस ऑफिस'

कोरोनावायरस महामारी कें देखैत देशव्यापी लॉकडाउनक बीच लोकप्रिय टीवी शो 'ऑफिस ऑफिस' केर पुन: प्रसारण शुरू भेल अछि. शो मे पंकज कपूर सेवानिवृत्त स्कूल मास्टर मुसद्दीलाल त्रिपाठी केर भूमिका निभा रहल छथि, आ व्यंग्यपूर्ण तरीका सं भ्रष्ट कार्यालय सब मे काज करैत नजरि आबि रहल छथि.

सोनी सब टीवी पर 'ऑफिस ऑफिस' Office Office on SAB TV

शो केर वापसीक खबरि सुनि, अभिनेता देवेन भोजानी, जे एहि शो मे एक महत्वपूर्ण भूमिका निभओने छथि, ओ भावुक भ' गेलाह. भोजानी कहलनि, "हमरा जानि बहुत नीक लागि रहल अछि जे 'ऑफिस ऑफिस' फेर सं प्रसारित भ' रहल अछि. हम सब 2001-2002 मे शो बनओने छलहुं, आ लगभग दू दशकक बाद ई फेर सं ऑन एयर होएत. ई शो एखनो भरोसेमंद अछि, जेना एक आम आदमी तखन पीड़ित होइत अछि जखन ओकरा भ्रष्ट लोक सभक कार्यालय मे कोनो काजक जरूरति पड़ैत अछि."

ओ कहलनि, "लॉकडाउन केर अवधि मे, जखन समूचा दुनिया तनाव, दर्द आ उदासी सं तीतल अछि, 'ऑफिस ऑफिस' लोकक मोन डाइवर्ट करबाक काज करत. हम अपने ई शो देखबाक लेल उत्सुक छी." 

ज्ञात हो जे 'ऑफिस ऑफिस' 12 अप्रैल सं सोनी सब पर सांझ 6 बजे ओ राति साढ़े 10 बजे प्रसारित भ' रहल अछि. पंकज कपूर एहि धारावाहिक मे एक रिटायर स्कूल मास्टर मुसद्दीलाल त्रिपाठी केर भूमिका निभओने छथि. एहि शो केर कहानी सं पता चलैछ जे मुसद्दीलाल अपन काज करएबा लेल कोना सरकारी दफ्तर सब मे चक्कर लगबैत छथि, हुनका की-की संघर्ष करए पड़ैत अछि.

कहैत चली जे एहि शो मे मिथिलाक नामचीन अभिनेता संजय मिश्र सेहो देखबा मे अबैत छथि. एखन त' संजय बाबू बॉलीवुड फ़िल्मक उम्दा कलाकार रूपें ख्यात भेल छथि. हुनका हम सब एहि शो मे फेर टीवी पर देखि सकब. किछु दिन पहिने दरभंगा फिल्म क्लब द्वारा अभिनेता संजय मिश्र कें सम्मानित कएल गेल छलनि.

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post