डीडी बिहारपर मैथिली धारावाहिक काल्हिसं


पटना/नवदिल्ली : डीडी बिहारपर काल्हिसं प्रत्येक बृहस्पतिकें सांझ 6:00 बजे मैथिली धारावाहिक “एस.एन.झा के गजबे दुनिया” केर प्रसारण शुरू भ' रहल अछि. भवेश नंदन झा केर निर्देशनमे बनल एहि धारावाहिकमे मैथिलीक लोकप्रिय कलाकार अनिल मिश्र ओ फिल्म मुखियाजी फेम अभिनेत्री रोशनी झा मुख्य भूमिकामे छथि. एस. एन. झा के गजबे दुनिया”मे एक महत्वाकांक्षी पत्रकार एस.एन.झा (सूर्य नारायण झा)क पत्रकारिता जीवन आ आम जनताक विभिन्न समस्याकें हास्य-विनोदक संग देखाओल जाएत. 


एहि धारावाहिकक प्रत्येक कड़ी अपना आपमे पूर्ण कड़ी अछि. दर्शककें परिणाम धरि पहुँचबा लेल एक सप्ताहक इंतज़ार नै करय पडत. हास्य धारावाहिकमे कडीक अंत एक पूरा घटनाक्रम ओ कहिनी केर अंत रहत. प्रत्येक कड़ीमे नव कथानक, नव हंसी, नव उमंग रहत जे एकरा अन्य धारावाहिक सभसं फराक करैत अछि. मैथिली दर्शक बहुत दिनसं टीवीपर अपन भाषाक कार्यक्रमक बाट ताकि रहल छथि. विशेषक' डीडी बिहार केर दर्शक जे मैथिली भाषी छथि, हुनका लेल ई अत्यंत हर्षक विषय अछि. धारावाहिकक स्क्रिप्ट विकास झा, सिनेमेटोग्राफी खालिद अब्बास, सम्पादन एल. के. शशि क' रहलाह अछि. सहायक निर्देशक छथि अमिताभ भूषण, ओमप्रकाश गुंजन, अविनाश प्रभाकर व अपर्णा झा, कार्यकारी निर्माता छथि प्रशांत कुमार व मुकेश चन्दन.

ज्ञात हो जे एम्हर किछु मैथिली एक्टिविस्ट सभ द्वारा डीडी मैथिलीक मांग जोर पकड़ने अछि त' दोसर दिस डीडी बिहारक ई डेग विशाल मैथिल जन समुदायकें अपनासं जोडि लेत. हालांकि बीच-बीचमे मैथिली साहित्यिक कार्यक्रम, फिल्म आदिक प्रसारण होइत रहै छै मुदा से अनियमित छैक आ दर्शक जुड़ाव नै महसूस क' पबइए. किछु दिन पूर्व मिथिमीडिया दिससं डीडी बिहारकें मैथिली कार्यक्रमक मादे ई-मेल सेहो कएल गेल छल. जे हो परिणाम दृष्टिगोचर अछि. धारावाहिकक पूरा टीमकें बधाइ आ देश-विदेशकेर मैथिली भाषी लोकनिसं आह्वान जे अवश्य देखू  'एस.एन.झा के गजबे दुनिया'. एहिसं डीडीपर मैथिली कार्यक्रमक पकैती सेहो हेतैक आ दोसर दर्शक वर्ग बढतैक त' भाषा बढतैक, माध्यम बढतैक, सकल समाज बढतैक.

(रिपोर्ट : मनीष झा 'बौआभाइ')
Previous Post Next Post