मनाओल गेल चेतना समितिक स्थापना दिवस


पटना : मिथिला भवन, राजेन्द्रनगर, पटनामे आइ 1954मे स्थापित मैथिलीक शीर्षस्थ संस्था चेतना समितिक एकसठिम स्थापना दिवस मनाओल गेल. कुमारी ईशा द्वारा गायल गोसाउनि गीतसँ ई कार्यक्रम आरंभ भेल. एहि अवसर पर मुख्य रूपसँ मैथिली माध्यमसँ UPSCक तैयारी करेनिहार कोचिंग संस्था मंथन, दिल्लीक निदेशक डाॅ शेखर झा, एहि बेर मैथिली माध्यमसँ आइपीएस उत्तीर्ण मयंक झा एवं साहित्य अकादमीसँ पुरस्कृत डाॅ मुनेश्वर झा, रामनारायण सिंह आ नारायण झाकेँ सम्मानित कयल गेल.

कार्यक्रमक मुख्य अतिथि पटना उच्च न्यायालयक न्यायमूर्ति धरणीधर झा छलथि. ओ अपन वकतव्यमे गाम-घरसँ बाहर रहनिहार लोकके अपनामे मैथिलीमे बजबाक बात कहलनि. ओ प्रयागमे मैथिली साहित्य, कला, संस्कृतिकेँ एकटा रिसर्च इंस्टीट्यूट आ स्नानार्थी लोकनिक लेल एकटा रेस्ट हाउस बनेबाक बात सेहो कहलनि.


एहि अवसर पर दूटा मैथिली पोथी सेहो विमोचित कयल गेल. पहिल पोथी छल गंगानाथ झा गंगेशक काव्य संग्रह समय सारथी आ दोसर छल इन्द्रकांत झा द्वारा कयल गुजराती पोथीक अनुवाद. तदुपरान्त एहि दुनू पोथी पर वरिष्ठ कथाकार अशोक, घर-बाहर क संपादक रमानन्द झा रमण, आचार्य मुनेश्वर झा द्वारा विमर्श सेहो कयल गेल.

एहि कार्यक्रमक अध्यक्षता गणेश शंकर खर्गा केलनि. ओ अपन अध्यक्षीय वकतव्यमे चेतना समितिमे पूर्वमे योगदान केनिहार लोकनिक स्मरण करौलनि. कार्यक्रमक संचालन उमेश मिश्र द्वारा कयल गेल. एहिमे सयसँ बेसी मैथिलक जुटान भेल छल. 

(रिपोर्ट/फोटो : बाल मुकुंद पाठक) 
Previous Post Next Post