विस चुनावकें ल' मिथिला पार्टी फुंकलक शंख

> पहिल चरणमे 21गोट उमेदवारक घोषणा

दड़िभंगा : आगामी बिहार विधानसभा चुनावकें देखैत अखिल भारतीय मिथिला पार्टी जोर-शोरसं तैयारीमे लागि गेल अछि. नारिकेर निशानपर बट्टम टिपबाक आह्वान कएल जा रहल छै. ओना चुनावमे किछु मास छैक तथापि मिथिला पार्टी एहि बेर विधानसभा जेबालेल पूरा तत्पर बुझना जा रहल अछि. मिथिला, मैथिली आ मैथिलक मुद्दापर ठाढ़ ई पार्टी भय, भूख आ भ्रष्टाचार केर नारा सेहो बुलंद क' रहल अछि.


पार्टी संयोजक रत्नेश्वर झा मिथिमीडियाकें जनओलनि जे पार्टी पनरह अगस्त धरि आओर उमेदवारक घोषणा करत. लोकमे अलगे उत्साह छैक आ मिथिलाक लोक सदासं उपेक्षाक शिकार रहल अछि आ एहनामे मिथिला पार्टीकें छोडिक' दोसर विकल्प नै छै. लालू, नीतीश, रामविलास पासवानकें लोक चीन्हि लेने छै. आब मिथिलाक लोक मिथिलाक सत्ता चाहैत अछि आ अखिल भारतीय मिथिला पार्टी चुनावमे नीक संख्यामे सीट हासिल करत से आशा अछि.

दड़िभंगामे भेल सभामे पार्टीक 21 सीट लेल उमेदवार घोषित केलक जे एना अछि : 
डाॅ. प्रभाकर झा - खजौली, लाल पासवान  - राजनगर, फैज अहमद  -  विस्फी, शैलेन्द्र मिश्र   -  झंझारपुर, सदरे आलम खान - जाले, हरि राय  - समस्तीपुर, सुशील कुमार यादव -साहेबपुर कमाल, गुलाब सहनी -परबत्ता, बैजनाथ पासवान -बखरी, उमेश चंद्र भारती -सिमरी बख्तियारपुर, निर्मल मिश्र - सहरसा, गंगा प्रसाद - अररिया,  पंकज मंडल  - फारबिसगंज, दीपचंद ऋषिदेव - रानीगंज, कन्हाई मंडल  - मणिहारी, शंभू पासवान - सुपौल, साधना देवी - महिषी, चंद्रशेखर झा - त्रिवेनीगंज, संजय ठाकुर  - मिनापुर, गोपाल पाठक -बेनीपट्टी, सुनील यादव - खगड़िया.
Previous Post Next Post