चेतना समितिक आमसभा, मैथिलीमे पढौनीक मांग

पटना : मिथिला भवन, राजेन्द्रनगरमे बीतल रविकें चेतना समितिक वार्षिक आमसभाक आयोजन कयल गेल. एहि अवसर पर उपस्थित लोकक स्वागत करैत विधानपरिषद आ चेतना समितिक अध्यक्ष विजय कुमार मिश्र पछिला वर्षक चेतना समितिक उपलब्धि आ क्रियाकलापक विस्तृत ब्यौरा प्रस्तुत केलनि संगहि ओ विद्यापति भवनक जीर्णोद्धार हेतु डेढ़ करोड़ टाकाक अनुदानक लेल बिहार सरकार आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ सेहो धन्यवाद देलनि. 

एहि अवसर पर चेतना समितिक सचिव आ पत्रिका घर-बाहरक संपादक वासुकीनाथ झा द्वारा बिहार सरकारसँ मिथिलामे मैथिलीमे पढ़ाइ करेबाक माँग उठाओल गेल. ओ मैथिलीकें राज्यक दोसर राजभाषाक मान्यता देबाक संग-संग मैथिली पत्र-पत्रिकाकेँ सरकारी विज्ञापन देबाक माँग सेहो सरकारसँ कयलनि.

एहि अवसर पर समिति केर 2015-2017 वर्ष लेल पदाधिकारीक चुनाव सेहो संपन्न भेल. विधायक विजय कुमार मिश्र  अध्यक्ष आ वासुकीनाथ झाकेँ फेरसँ सचिव बनाओल गेल. उपाध्यक्ष पद पर विवेकानंद झा, विवेकानंद ठाकुर आ गणेश शंकर खर्गा ओतहि संयुक्त सचिव पद पर रमानन्द झा रमण, उमेश मिश्र आ रामसेवक राय निर्वाचित भेला संगहि संग योगेन्द्र नारायण मल्लिक कोषाध्यक्ष, जगत नारायण चौधरी संगठन सचिव रघुवीर मोची प्रचार सचिव चुनल गेलाह.

कोषाध्यक्ष द्वारा पछिला सालक आय-व्ययक प्रतिवेदन आ अगिला सालक बजट सेहो प्रस्तुत कयल गेल. एहि अवसर पर दूटा पोथी सेहो विमोचित कयल गेल. पहिल पोथी छल रत्नेश्वर प्रसाद सिंहक लिखल 'मैथिली महाकाव्यक शिल्प विकासमे चाणक्यक योगदान' आ दोसर पोथी छल अमित मिश्र रचित बाल काव्य संग्रह अंशु बनि पसरि जाएब. दुनू पोथी प्रकाशन शेखर प्रकाशन द्वारा भेल अछि. मौसम खराब रहलाक बादो एहि अवसर पर सैकडो लोक उपस्थित छलाह. कार्यक्रम संचालन सचिव उमेश मिश्र केलनि.

(रिपोर्ट : बाल मुकुन्द पाठक)
Previous Post Next Post