बाल काव्य संग्रह 'अंशु बनि पसरि जाएब' केर विमोचन

पटना : टिपिर-टिपिर बुन्नक बीच, आइ मिथिला भवन, राजेन्द्रनगरमे युवा कवि अमित मिश्रक दोसर पोथी 'अंशु बनि पसरि जाएब' विमोचित भेल. ई अमितक पहिल बाल काव्य संकलन अछि. 'चेतना समिति'क आमसभामे अमितक एहि पोथीक विमोचन भेल. पोथीक विमोचन चेतना समितिक अध्यक्ष आ बिहार विधानसभामे मैथिलीक प्रतिनिधि विजय कुमार मिश्र, मैथिली त्रैमासिक पत्रिका घर -बाहर'क संपादक द्वय श्री वासुकीनाथ झा, डाॅ रमानन्द झा रमण एंव चेतना समितिक अनेक पदाधिकारी लोकनि द्वारा कयल गेल. 

पोथी विमोचनक उपरांत युवा साहित्यिक बाल मुकुन्द पाठक एहि पोथीपर अपन विचार प्रकट केलनि. शरदिन्दु चौधरी सेहो एहि पोथीक प्रंशंसा करैत अपन विचार रखलनि. अपनेक जनतब द' दी जे पोथी शेखर प्रकाशन द्वारा प्रकाशित भेल अछि. एहि अवसर पर कमल मोहन चुन्नू, राम सेवक राय, रघुवीर मोची, गणेश शंकर खड्गे, इन्द्रकांत झा, जगत नारायण चौधरीक संग-संग सैकड़ो लोक उपस्थित छलाह. अंतमे अमित मिश्र चेतना समितिक एहि दुलार लेल अपन आभार प्रकट केलनि.

नोट : पोथी प्राप्तिक लेल 09934666988 पर संपर्क कयल जा सकैछ. 
Previous Post Next Post