ओ लोकनि एतेक बिदुषी कहिया भ' गेलीह?

बिदुषीक सम्मान सभ दिन होइत रहल अछि, होयबाको चाही. हमहूँ हुनक सम्मान करैत छी. एखन एकटा छोट-छीन प्रश्न मन मे उठैत अछि. दादी लोकनि एतेक बिदुषी कहिया भ' गेलीह? हम बात करैत छी शाहीन बाग मे धरना पर बैसल दादी सभक. एहन कोन आफत आबि गेलै जकर विरोध मे अपन सभ बन्हन तोड़ि दादी सभ रास्ता पर आबि बैस गेलीह आ केंद्र सरकार कें अपन पाएर पर झुकेबाक लेल आफन तोड़ि रहल छथि?

अपन प्रश्न लेल माथ नोचैत पाछाँ मुहें तकैत छी त' देखैत छी जे स्वाधीन भारतक संविधान लागू भेलाक बाद, जँ मुस्लिम महिला पर कोनो संवैधानिक आघात भेल अछि त' ओ भेल शाहबानो वादक उच्चतम न्यायलय द्वारा देल गेल निर्णयक Mohd. Ahmed Khan v. Shah Bano Begum [1985 (1) SCALE 767 = 1985 (3) SCR 844 = 1985 (2) SCC 556 = AIR 1985 SC 945] विरुद्ध संविधान परिवर्तन कएल गेल. मुदा ओहि दिन सभ दादी (जे ओहि समय मे चाची छलीह आ सभ सँ पैघ आघात हुनके सभ पर होयबाक संभावना छल आ आघातो भेल) चुप छलीह.

एक संग तीन बेर तलाक कहि वैवाहिक सम्बन्ध-विच्छेद (तीन-तलाक) पर चुप छलीह. एखनो हलाला-प्रथा, जे पूर्णतः महिला विरोधी अछि, ओकर विरोध मे कहियो दर्दक-गीतो नहि गेलीह. मुस्लिम बालिका सभ पर होमय बला क्रूरतम (सुन्नत) प्रथाक विरोध मे कोनो स्वर आइ धरि सुनबा मे नहि आयल अछि. सुन्नत पूर्णतः अमानवीय आ महिला विरोधी अछि जे बात इस्लाम कें जननिहार कतेको व्यक्ति स्वीकार क' चुकल छथि. मुदा एहि सभक मिसियो विरोध नहि!

कहियो परदा (बुरका) उठाय ओहि इस्लामिक पितृसत्ता कें नहि ललकारलीह. फेर एहन कोन आफ़दक आमद अछि जाहि लेल एहन संघर्षक रूप अख्तियार कएल? सभक सहज उतारा होयत CAA. मुदा हमर प्रश्न एतहि सँ ठाढ़ होइत अछि जे CAA मे एहन की पढ़ि लेलीह जे हिनका सभ कें एतेक बन्हन तोड़बाक लेल आतुरता आनि देलकनि?



CAA पर विस्तृत आलेख हम पूर्व मे प्रकाशित क' चुकल छी तैं, ओकरा दोहरेला सँ कोनो लाभ नहि, जिनका जिज्ञासा हो सहमति-असहमति प्रदर्शनक लेल स्वागत अछि. मात्र एतबे कहि दी जे नागरिकता अधिनियम 1955 जे CAA केर मूल अछि, ओहि मे एखन धरि कुल 8 बेर संशोधन (7 बेर पूर्व मे संशोधन) भ' चुकल अछि. पूर्वक कोनो संशोधनक सम्बन्ध मे बहुतो लोक एखन धरि अनभिज्ञ छथि. भूतपूर्व प्रधानमंत्री इंदिरा गाँधी आ राजीव गाँधी सेहो अपना समय मे खास देश सँ आयल खास लोक कें नागरिकता देने रहथि. पूर्व प्रधानमंत्री डॉ. मनमोहन सिंहक समय मे सेहो देल गेल नागरिकता. फेर आई एहन विरोध कियैक?

कहबाक कोनो काज नहि जे एहि दादी सभ मे सँ कियो स्वयं CAA-2019 कानून एकर कारण, एम आ ऑब्जेक्ट स्वयं पढ़ैत होयतीह तकर कतेक संभावना अछि? साधारण लोकक बात कोन जे सुप्रीम कोर्ट स्वयं अधिकार रखैत अछि कोनो संविधान संशोधन कें रोक वा निरस्त करबाक, ओतहु तुरत मे कोनो आदेश नहि भेटल. तखन एहि धरनाक कारण फेर हमरा शाहबानो वादक विरोध मे कएल गेल संविधान संशोधनक कारण देखबाक लेल बाध्य करैत अछि.

ओहू दिन एकटा प्रधानमंत्री आ सरकार कें मजबूर कएल गेल छल. एकटा अदूरदर्शी प्रधानमंत्रीक मजबूर/तुष्टिकरण नीतिक कारण महिला विरोधी संविधान संशोधन भेल. ओहि दिन एकर विरोध मे बजनिहार एकमात्र मर्द आरिफ मोहम्मद खान कें अपन मंत्रिपद गमब' पड़लनि. ओ मात्र एकटा संविधान संशोधनक घटनाचक्र भरि नहि छल अपितु ओतय सँ एकटा मार्ग प्रशस्त भेल जे कोनो सरकार कें केना मजबूर क' एकटा समुदाय विशेष कें संतुष्ट करबाक लेल सरकार बाध्य होयत.

दोसर ओतय किछु एनजीओ केर सक्रीय सदस्य/सदस्या अपन सक्रीय भागीदारी क' रहल छथि जिनक कार्यकलाप संदिग्ध रहल अछि. तेसर किछु वर्ग एहन जरूर अछि जे तीन-तलाक पर सरकारक पक्ष, अनुच्छेद 370क समाप्ति आ राम मन्दिरक निर्णय सँ क्षोभ मे अछि. जँ एहि तीनू कारण कें फेंटै छी त' एकटा स्पष्ट चित्र बनैत अछि जे ओहि लोक सभ कें सरकारक कोनो निर्णय मंजूर नहि होयत जे हुनक मनोनुकूल नहि, कोनो एनजीओ फंडिंग पर रोक आ सरकारक प्रतिरोध क' सरकार कें बदनाम करब अछि.


एहि बेर विरोधक नव रूप देल गेल जे महिला सभ कें सोझाँ राखि लड़ल जाय. जँ एहन नहि त' दादी सभ बुझा देथु जे की कारण अछि? जँ ओ सभ स्वयं विदुषी छथि त' अरुंधति आ तिस्तालवार सँ कोन कनफुसकी भेल? जँ एकटा दोसर दृष्टिकोण देखैत छी जाहि मे ई सभ स्वयं सँ प्रेरित भ' आंदोलन क' रहल छथि त' आब' बला समय मे मौलवी साहेब सभक लेल खतराक घंटी बाजि रहल अछि, कारण एहि आंदोलन सँ CAA  के’ की होयत से देखब, मुदा बन्हन फुजि गेल अछि आ विरोधक स्वर बुलंद करबाक अभ्यास भ' रहल अछि. अभ्यस्त स्वर कोनो प्रथाक विरोध मे सेहो जा सकैत अछि। अपन दाढ़ी देख लेब जे ओहि मे कोनो काठी ने फसल हो! 

हम व्यक्तिगत रूप सँ एहि पक्ष कें नहि मानैत छी. हमर स्पष्ट मत अछि प्रदर्शन केनिहारि कियो आन छथि आ बिरियानी पहुँचेनिहारि कियो आओर. जँ नहि त' अहीं बुझा दिय' दादी एतेक बिदुषी कहिया भ' गेलीह?

— संतोषी कुमार

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुक, ट्विटरयूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)

Previous Post Next Post