मिथिला सेवा ट्रस्ट मनओलक 'विभूति पर्व समारोह'


कल्लोलिनी कोलकाता प्रवासी मैथिली भाषी लोकनि एहि महानगर मे अनेक उल्लेखनीय काज केलनि अछि. एखनो दर्जनाधिक मैथिल संस्था सब साहित्यिक, सांस्कृतिक आ समाजसेवा काज मे लागल अछि. एहि मे 'मिथिला सेवा ट्रस्ट' पछिला किछु बरख सं तेजी सं अभरल अछि. बीतल 18-19 जनवरी कें दू दिवसीय वार्षिकोत्सवक आयोजन कएलक जाहि मे संकीर्तन ओ मिथिला विभूति पर्व समारोह सुसम्पन्न भेल. एहि अवसर पर बागुईआटी प्रक्षेत्र सहित कोलकाता केर विभिन्न इलाका मे रहनिहार मैथिल लोकनि उपस्थित भेलाह.


पहिल दिन संकीर्तन मे महानगरक मैथिली भाषी मंडली सब द्वारा सामूहिक हनुमान चालीसा पाठ ओ अखण्ड अष्टजाम आयोजित भेल. दिनभरि विद्यापति प्रतिमा क्षेत्र सहित महादेव मंदिर प्रांगण भक्तिमय माहौल सं तीतल रहल. सांझ सं लोक सब प्रसाद ग्रहण करैत घर घूरैत गेलाह. जखन कि अष्टजाम अगिला दिन धरि जारी रहल. एहि मे महिला लोकनिक सहभागिता सेहो अकानल जएबा योग्य रहल.


दोसर दिन मिथिला विभूति पर्व समारोह राखल गेल छल जकर पहिल सत्र मे गणमान्य लोकनिक अभिभाषण भेल आ हुनका सभक सम्मान कएल गेल. शिक्षाविद भोगेन्द्र झा द्वारा उद्घाटित समारोहक पहिल सत्र मे लक्ष्मण झा सागर, श्रीमती शैल झा सागर, नबोनारायण मिश्र, रत्नेश्वर झा, प्रह्लाद सिंह, पार्थ सरकार, संतोष कुमार मधुप, अशोक झा भोली, शिवचरण शुक्ल ओ रूपेश त्योंथ अपन वक्तव्य रखलनि. एहि अवसर पर 'बाबू साहेब चौधरी सम्मान' जीवेन्द्र मिश्र ओ 'मिथिला संकीर्तन मंडली सम्मान' हेम कान्त झा 'प्यासा' कें देल गेलनि. एहि सत्रक संचालन ट्रस्ट केर चेयरमैन रमाकान्त झा केलनि.



एकर पश्चात् रामसेवक ठाकुर, माधव राय, ज्योति प्रभा आदि अनेक नामचीन कलाकार द्वारा मैथिली सांस्कृतिक आयोजन भेल. भारी संख्या मे मैथिलगण जुटि संगीतमय सांस्कृतिक संध्याक आनंद उठबैत गेलाह. ज्ञात हो जे बीतल कतिपय साल सं ट्रस्ट केर एहि वार्षिक आयोजनक लोक बाट तकैत रहैत छथि.


ट्रस्टक चेयरमैन रमाकान्त झा मिथिमीडिया कें जनओलनि जे संकीर्तन सं शुरू भेल ई प्रयास समाजक सहयोग सं आगू बढ़ैत रहल अछि. महादेव मंदिर लग विद्यापतिक प्रतिमा स्थापना सं ल' ई समारोह अपन व्यापकता बनओने अछि. रमाकान्त बाबू आगू साहित्यिक अनुष्ठान ओ आयोजनक अभिलाषा सेहो प्रकट केलनि. 

सांस्कृतिक अनुष्ठान सं पहिने जरूरतमंद लोकनि मे ट्रस्ट दिस सं कंबल वितरण सेहो कएल गेल. एहि आयोजन मे शिव चरण शुक्ल, धीरज झा, गोविन्द झा, गौरीशंकर चौधरी, प्रमोद झा, विजयकान्त झा, प्रदीप कुमार झा, विमल झा, ललन राय, राकेश राय, सुनील कुमार झा, आलोक कुमार झा, अमरनाथ मिश्र, धनंजय झा, शिवचन्द्र मिश्र, महानन्द झा, सत्यनारायण झा, उग्रनाथ झा, श्याम मिश्र, अमित कुमार झा, विनोद यादव, सुधीर चौधरी, कुशेन्द्र झा, दीपक झा, श्यामानन्द झा, सुनील कुमार चौधरी, दिलीप झा, शिव शंकर झा, मिश्रीलाल झा, रमेश मिश्र, शंकर झा सहित ट्रस्टक सब कार्यकर्ता लोकनि भरपूर सहयोग करैत देखल गेलाह.



(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)

Previous Post Next Post