बिहार सरकारक हलफनामा, जनताक बेहाली पर अदालत हैरान

चमकी बोखार सं त्रस्त बिहार मे स्वास्थ्य सेवाक स्थिति पर जे बात राज्य सरकार गछलक अछि, से हैरान करत. सरकार उच्चतम न्यायालय कें स्पष्ट कहलक अछि जे राज्य मे चिकित्सकक भारी अभाव अछि. डॉक्टरक 57 प्रतिशत पोस्ट खाली चलि रहल अछि. सरकार द्वारा संचालित अस्पताल आ स्वास्थ्य केंद्र सब मे स्वीकृत क्षमता 19,155 अछि जखन कि मात्र 5,634 नर्स तैनात अछि. 

सैकड़ो नेनाक हानि भेलाक बाद सरकारी व्यवस्था पर प्रश्न ठाढ भ' रहल छल. एहना मे अदालत सरकार सं स्पष्टीकरण मंगने छल. सरकार अदालत कें जनओलक अछि जे मुजफ्फरपुर मे कुल 824 केस सोझां आएल छल जाहि मे कुल 157 मृत्यु भेल अछि.

जरूर पढूः ‘चमकी बुखार’ सं एना बचाउ नेना कें

गौरतलब अछि जे सरकार दिस सं देल जानकारीक अनुसार मस्तिष्क ज्वर सं भेल मृत्युक 215 मामिला एहन अछि जाहि मे ई निजगुती नै भेल जे 24 नेना एही बेमारी सं गत भेल वा नै. 

>> डॉक्टरक 57 प्रतिशत पोस्ट खाली

अदालत कें देल हलफनामा मे बिहार सरकार गछलक अछि जे राज्य मे डॉक्टर आ नर्स केर क्रमश: 57 आ 71 प्रतिशत पोस्ट खाली अछि. जाहिर अछि जे हेल्थ बेबस्था केर जे बेजाए हालति अछि तकर एक पक्ष डॉक्टरक कमी अछि. 

एतय अस्पताल, उपकरण, दवाइ आदि विविध पक्ष कें स्पष्ट नै कएल गेल अछि. धरातल पर जे अवस्था अछि, तकरा एहि हलफनामा सं अकानल जा सकैत अछि.
Previous Post Next Post