अखिल भारतीय मिथिला पार्टी पश्चिम बंगाल केर पहिल अधिवेशन


लोकसभा चुनाव केर अनुगूंज सभतरि पसरल अछि. जनता लेल एखुनका समय चानी छै त' ओतहि नेता ओ राजनीतिक दल सब जनता कें फुसलेबा हेतु दिन-राति एक केने अछि. वास्तव मे यएह समय अछि जखन जनसमुदाय अपन मांग मजगूती सं राखि सकैत अछि आ नेता लोकनिक नेत सोझ क' सकैत अछि. एहन समय मे अखिल भारतीय मिथिला पार्टी अधिवेशन क' महानगर मे अपन मौजूदगी जनबैत सचेतन मैथिल समुदाय कें अधिकारक प्रति सजग केलक अछि.

मिथिला राजनैतिक सशक्तिकरण अभियानक तहति बंगालक मैथिल जन समुदायक स्वर कें मजगूत करबा लेल अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक राज्य इकाई बागबाजार लाइब्रेरी सभाकक्ष मे बीतल रवि 7 अप्रील कें पहिल अधिवेशन आयोजित केलक. अधिवेशन मे राज्य इकाई केर पदाधिकारी लोकनिक संगहि महानगरक प्रबुद्ध मैथिल लोकनि उपस्थित भेल छलाह.

पार्टीक पश्चिम बंगाल राज्य अध्यक्ष प्रेम झा साल भरिक क्रियाकलाप सहित पार्टी केर वर्तमान स्थिति पर इजोत देइत अपन बात रखलनि. बता दी जे सम्पूर्ण कार्यक्रमक संचालन सेहो ओ स्वयं अपने केलनि. राज्य आन्दोलन कें प्रवासी लोकनिक सहयोगक अपेक्षा पर बल देइत केंद्रीय उपाध्यक्ष उमाकान्त झा बक्शी मैथिल एकता आ राजनीतिक शक्ति बढ़ेबाक हेतु एकीकृत प्रयास कें ल' अपन बात रखलनि.


राज्य प्रभारी रमाकान्त झा महानगरक मैथिलवृंद द्वारा पूर्व मे कएल राजनीतिक प्रयास कें स्मरण करैत एकर जरूरति कें स्पष्ट केलनि ओतहि कोलकाता ओ उपनगरक मैथिल संस्था सबहक प्रतिनिधि लोकनि सेहो उपस्थित भ' अभियान कें समर्थन केलनि ओ अपन सहयोग व्यक्त केलनि. पार्टी सदस्य दयाशंकर मिश्र, सुधाचंद्र झा पार्टी कें स्थापित करबा मे कोनो कसरि नै छोड़बाक बात कहलनि.


पार्टी महासचिव अजय झा, एमएसयू प्रतिनिधि विकास पाठक सहित कतिपय युवा कार्यकर्ता मैथिल एकता आ एकर खगता पर अपन बात कें पुष्ट केलनि। एहि अवसर पर राजनेता अशोक झा केर सम्मान कएल गेल. ओ पार्टी कें अपन सहयोग-समर्थन ओ मार्गदर्शन हेतु कटिबद्धता जनओलनि. ज्ञात हो जे अशोक झा विगत तीन दशक सं बेसी समय सं महानगरक मैथिल समुदायक प्रतिनिधि रहलाह अछि. निश्चये हुनक सहयोग पार्टी कें मजगूत करत बल्कि कोलकाता आ पश्चिम बंगाल मे स्थापित होएबा मे भूमिका अदा करत.

पार्टी प्रवक्ता मालती झा अपन वक्तव्य रखैत धन्यवाद ज्ञापन केलनि. कहैत चली जे महज एक सालक समय मे पार्टी जेना मौजूदगी दर्ज केलक अछि, निकट भविष्य मे धरातल पर क्रियाकलाप मे अधिकता देखबाक लेल भेटत, एहन अपेक्षा कएल जा सकैत अछि.

>> DOWNLOAD MITHIMEDIA APP

Previous Post Next Post