अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक बंगाल यूनिट केर गठन


मिथिला राजनैतिक सशक्तिकरण अभियानक तहति बंगालक मैथिल जन समुदायक स्वर कें मजगूत करबा लेल अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक राज्य इकाई केर आइ गठन भेल. मध्य कोलकाताक 'भारत सभा' केर सभाकक्ष मे आमसभा मे महानगर ओ उपनगरीय क्षेत्रक सैकड़ो मैथिल उपस्थित छलाह. 

राज्य आन्दोलन कें प्रवासी लोकनिक सहयोगक अपेक्षा पर बल देइत राज्य प्रभारी उमाकान्त झा बक्शी कहलनि जे संस्थागत वैमनस्यता कें त्यागि मैथिलजन एहि राजनैतिक अभियान कें एकजुटता सं मजगूत करथि. ई आजुक समयक एकमात्र विकल्प जकां अछि, जे जा मैथिल एकजुट भ' राजनैतिक दृष्टि सं प्रभावशाली नै होएत ता हमर सबहक आवाज दबाओल जाइत रहत.


एहि अवसर पर राष्ट्रीय महासचिव मैथिल संजय मिश्र सहित मैथिल आंदोलनी कमलेश झा, साहित्यिक-पत्रकार तारा कांत झा, रामलोचन ठाकुर, राजनन्दन लाल दास, लक्ष्मण झा सागर आदि लोकनि अपन वक्तव्य रखलनि. आमसभा में कोलकाता ओ उपनगरक मैथिल संस्था सबहक प्रतिनिधि लोकनि सेहो उपस्थित भ' अभियान कें समर्थन केलनि.

बता दी जे प्रेम नारायण झा कें बंगाल राज्य इकाई केर अध्यक्ष बनाओल गेल अछि त' कुल 21 गोटेक कार्यकारिणी गठित भेल अछि, जे राज्य मे पार्टीक अभियान कें नेतृत्व प्रदान करत. 

कार्यक्रमक सञ्चालन भवनाथ झा केलनि त' सभ अतिथि, कार्यकर्ता आ सदस्य लोकनि कें रंजीत कुमार झा 'पप्पू' धन्यवाद ज्ञापन केलनि. 

आब देखबाक ई अछि जे पार्टीक बंगाल इकाई कोना की कार्यक्रम-अभियान ल' क' आगू अबैत अछि. ओना इकाई गठन सं मिथिला राज्य आधारित क्रियाकलाप बढबाक अनुमान अछि.


Previous Post Next Post