मिथिलाक गमक देश-दुनिया मे पसारि रहलाह अछि मनीष आनंद

mithila naturals
मिथिलाक जन-जीवन कृषि आधारित अछि. एतुक्का लोक-व्यवहार, पावनि-तिहार, कला-संस्कृति कें गौर सं देखबै त' कृषि सभक मूल मे भेटत. राजा जनक ह'र उठेबाक बात जग विदित अछि जाहि सं सीताक प्रादुर्भाव भेल. खाहे महाभारत काल मे डोनेशन लेल जखन पांडव मिथिला अबैत छथि त' जनक कें धाने बीछैत पबैत छथि आ तकर आगूक कथा सबहक ठोर पर अछि. मुदा जखन आधुनिकताक तथाकथित बिर्रो उठलै त' पहिने कृषि नष्ट भेलैक आ आब कृषि-परम्परा निपत्ता भेल जा रहल छै. फलतः मिथिला संस्कृति क्षरित भेल गेलैक अछि.

mithila naturals

एही सभ मौलिक बिंदु पर सोचैत #ब्रांडमिथिला कें प्रभावशाली ढंग सं आगू अनलाह अछि मनीष आनंद. मखानक कतिपय आइटमक संग मसल्ला, हर्बल चाह, आमक अचार, आमिल, अदौरी, तिसियौरी, कुम्हरौरी आदि अनेक पारंपरिक खाद्यक सीरीज कें 'मिथिला नेचुरल्स' नाम सं अनलाह अछि. समस्त प्रोडक्ट कें विश्व बाजार कें धियान मे राखि तैयार कएल गेल अछि.

mithila naturals

विगत दिन कोलकाता मे ASSOCHAMदिस सं ASEAN Buyers meet मे मनीष अपन उत्पाद संग उपस्थित भेल छलाह जतय बेस आह्लादकारी प्रतिक्रिया भेटलनि. मिथिलाक मखान आ पारंपरिक स्वाद आब देश-विदेश मे पहुंचबा लेल तैयार अछि.

mithila naturals

विशेष बात ई अछि जे मनीष अपन प्रोडक्ट जरैल (मधुबनी) मिथिला मे तैयार करैत छथि आ व्यावसायिक क्रियाकलाप फरीदाबाद सं होइत अछि. ई जाहि तैयारी आ ऊर्जा सं लैश देखल जा रहल छथि, मिथिला बेस उद्योगक सोन सन भविष्यक आहटि कें सहजें अकानल जा सकैत अछि.

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post