संस्कृत विश्वविद्यालय मिथिलाक्षर मे राखत नामपट!

कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय मुख्यालय सहित स्नातकोत्तर आ एकर सब अंगीभूत व संबद्ध कालेजक नामपट आब मिथिलाक्षर मे सेहो अंकित रहत. एहि संदर्भ मे आदेश कुलपति प्रो. (डा.) सर्वनारायण झा देलनि अछि. एहि समाद सं मिथिला-मैथिली प्रेमी लोकनि मे हर्षक माहौल अछि.

उल्लेखनीय अछि जे बीतल मास साहित्य अकादेमी मे मैथिलीक प्रतिनिधि डा. प्रेम मोहन मिश्र बिहार ओ झारखंडक विभिन्न विश्वविद्यालय सभक कुलपति लोकनि कें सब शैक्षणिक संस्थानक नामपट मिथिलाक्षर मे अंकित करएबाक अनुरोध केने छलाह. ओ कासिंद संस्कृत विश्वविद्यालयक संगहि लना मिथिला विश्वविद्यालय,  बाबासाहेब डा. भीमराव अंबेडकर विश्वविद्यालय मुजफ्फरपुर, भूपेंद्र नारायण मंडल विश्वविद्यालय मधेपुरा, महात्मा गांधी केंद्रीय विश्वविद्यालय मोतिहारी, डा. राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय पूसा समस्तीपुर, तिलकामांझी विश्वविद्यालय भागलपुर व नव गठित पूर्णियां विश्वविद्यालय तथा मुंगेर विश्वविद्यालयक कुलपति कें पत्र पठा अनुरोध केने छलाह जे ओ लोकनि विश्वविद्यालय मुख्यालय सहित अपन क्षेत्राधीन स्नातकोत्तर विभाग तथा अंगीभूत व संबद्ध महाविद्यालय सभक नामपट अन्य लिपिक संग मिथिलाक्षर मे सेहो अंकित करएबाक आदेश निर्गत करथि.

प्रेम मोहन मिश्र झारखंडक सिद्धूकानू विश्वविद्यालय तथा कोल्हान विश्वविद्यालयक कुलपति कें सेहो एहि विषयक आग्रह-पत्र प्रेषित केने छलाह. संस्कृत विश्वविद्यालय द्वारा एहि दिशा मे डेग बढ़ेने डा. मिश्र अपन खुशी इजहार केलनि अछि. ओ मिथिला-मैथिली प्रेमी व आमजन सब कें सेहो आह्वान केलनि अछि जे ओ मिथिलाक्षरक संरक्षण-संवर्द्धन हेतु आगू आबथि.



मिश्र आह्वान केलनि जे हमरा लोकनि कें विवाह, उपनयन, मुंडन आदि संस्कारक आमंत्रण पत्र मे मिथिलाक्षरक उपयोग करबाक चाही. एहि सं आगामी समय मे प्रभावी परिणाम आबि सकैत अछि. संगहि साहित्य अकादेमी सं पुरस्कृत साहित्यकार व पत्रकार प्रो. अमलेन्दु शेखर पाठक संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपतिक प्रति आभार प्रकट केलनि आ सब सं अनुरोध केलनि अछि जे सब केओ अपना स्तर सं मिथिलाक्षर कें नव जीवन देबाक हेतु कदम बढ़ाबथि. प्रो. पाठक एही तरहक काज दोकान, मकान वा अन्य संस्थानक नेमप्लेट हेतु सेहो करबाक जरूरति पर जोर देलनि.

Maithili News, Mithila News, Maithil News, Digital Media in Maithili Language
Previous Post Next Post