यूजर सूचना लीक मामिला मे पिचई कहलनि बड़का बात

डिजिटल प्लेटफॉर्म केर नियमन आ डाटा निजता केर सुरक्षा कें ल' दुनियाभरि मे भ' रहल चर्चाक मध्य Google CEO सुंदर पिचई कहलनि अछि जे प्रौद्योगिकी कंपनी कें सब किछु ठीक करबाक लेल जिम्मेदारी लेबाक चाही. कैलिफोर्निया स्थित माउंटेन व्यू परिसर मे 'गूगल आई/ओ' डेवलपरक वार्षिक सम्मेलनक उद्घाटन करैत पिचई कहलनि जे हम सब एखन कंप्यूटिंग केर महत्वपूर्ण मोड़ पर छी, जतय सं प्रौद्योगिकी कें आगू गति प्रदान करबाक लेल उत्साहित छी.

सम्मेलन मे 7,000 सं बेसी डेवलर कें संबोधित करैत पिचई कहलनि जे स्पष्ट अछि जे हम सब जे बना रहल छी, तकर की प्रभाव भ' सकैत छै आ मनुष्यक जीवन कें कोना सुधार क' सकैत छै से सोचब आवश्यक. हमरा लोकनि कें सूचना कें सुरक्षित राखब आ तकनीकक सदुपयोग करबा पर धियान देबाक चाही.


ज्ञात हो कि माइक्रोसॉफ्ट सीईओ सत्या नडेला सेहो एही बात पर जोर देइत कहने छलाह जे हुनक कम्पनी यूजर्स डाटा कें सुनिश्चित आ सुरक्षित करबाक हेतु समाधान पर काज क' रहल छनि. पिचई हुनक बात कें आगू बढ़बैत बजलाह जे उपयोगी आ रीचेबल सूचनाक खगता एखनो ओतबे अछि जतेक दू दशक पूर्व गूगल स्थापना समय मे छल.


Maithili News, Mithila News, Maithil News, Digital Media in Maithili Language
Previous Post Next Post