फेसबुक आब भारतीय यूजर लेल अनलक नव फीचर

फेसबुक भारत मे तीन नव फीचर लांच केलक अछि. नव फीचर मे यूजर कें पोस्ट सेव करबाक आ पुरान पोस्ट कें अकाइव करबाक ऑप्शन भेटत. एकर संगहि वॉयस पोस्ट फीचर सेहो लांच भेल अछि. ई तीनू फीचर भारतीय यूजर कें सब सं पहिने भेटत, तकर बाद ई निश्चय कएल जाएत जे आन-आन देश मे ई फीचर कोना उपलब्ध होएत.  

सीमित फोन स्टोरेज केर समस्या कें धियान मे राखि फेसबुक एक फीचर कें लांच केलक अछि, जाहि सं यूजर फेसबुक कैमरा सं क्लिक फोटोज आ वीडियोज कें फेसेबुक पर सेव क' सकत. वॉयस पोस्ट फीचर माध्यम सं यूजर अपन स्टोरी मे ऑडियो मैसेज सेहो जोड़ि सकैत छथि. 

अकाइवक माध्यम सं यूजर पुरान पोस्ट कें अकाइव मे राखि सकैत अछि. फेसबुक ई नव फीचर एहन समय मे आनि रहल अछि जखन जानकारी लीक मामिला मे ओकर किरकिरी भ' चुकल अछि.

Maithili News, Mithila News, Maithil News, Digital Media in Maithili Language
Previous Post Next Post