साहित्यकार शीतांशु यशचंद्र कें सरस्वती सम्मान

गुजराती भाषाक प्रमुख कवि, नाटककार एवं विद्वान शीतांशु यशचंद्र कें 27म सरस्वती सम्मान देल जेबाक घोषणा भेल अछि. सरस्वती पुरस्कारक घोषणा लोकसभाक पूर्व महासचिव डॉ सुभाष सी कश्यप केर अध्यक्षताबला 13 सदस्यीय चयन समिति केलक अछि. शीतांशु कें कविता पुस्तक 'बखार' हेतु वर्ष 2017 केर सरस्वती सम्मान देल जेतनि.

केके बिडला फांउडेशन देल जाएबला सरस्वती पुरस्कार मे यशचंद्र कें 15 लाख टाका, एक ताम्रपत्र एवं एक प्रशस्त्रि पत्र प्रदान कएल जेतनि. गुजरातक भुज मे 1941 मे जन्मल शीतांशु यशचंद्र कें ई पुरस्कार भारतीय भाषा-साहित्य मे प्रमुख योगदान कें देखैत प्रदान कएल जाएत. 

कविता पुस्तक 'बखार' वर्ष 2009 मे प्रकाशित भेल छल.  शीतांशु कें एहि सं पहिने 2006 मे पद्मश्री, वर्ष 1998 मे कवि सम्मान एवं वर्ष 1996 मे राष्ट्रीय सद्भावना पुरस्कार सं सम्मानित कएल जा चुकल छनि. शीतांशु यशचंद्र कें गुजराती भाषाक महान नाटककार एवं कुशल अनुवादक रूप मे चिन्हल जाइत छनि. 

ज्ञात हो जे सरस्वती सम्मान केर स्थापना वर्ष 1991 मे भेल छल. ई पुरस्कार प्राप्त केनिहार मे एखन धरि हरिवंश राय बच्चन, विजय तेंदुलकर, सुनील गंगोपाध्याय, एम विरप्पा मोइली, गोविंद मिश्र शामिल छथि.


Previous Post Next Post