शिक्षा हेतु Google गैर-सरकारी संगठन सभ कें देत एक अरब डॉलर

Linkedin

गूगल दिस सं कहल गेल अछि जे आगामी पांच वर्ष मे ओ गैर-सरकारी संगठन सभ पर एक अरब डॉलर खर्च करत. विश्वभरि में शिक्षाक स्तर कें बढ़ेबा हेतु कएल जाएत. कंपनी एहि बातक संकल्प प्रकट केलक जे गूगल कर्मचारी एहि लेल दस लाख घंटा स्वैच्छिक तरीका सं काज करत.

सर्च इंजनक सिरमौर वेबसाइट गूगलक मुख्य कार्यकारी अधिकारी (सीईओ) सुंदर पिचाई पिट्टसबर्ग मे एकर घोषणा केलनि अछि. ओ 24 वर्ष पहिने भारत सं एही शहर मे आएल छलाह. पिचाई 'ग्रो विथ गूगल' नामक कार्यक्रम केर शुरूआत सेहो केलनि.

एहि कार्यक्रमक मूल उद्देश्य अमेरिकी नागरिक लेल नौकरी आ व्यापार बढ़एबा मे सहयोग करब अछि. कंपनी उडासिटी आ कोरसेरा सन ऑनलाइन कंपनीक संग-संग गुडविल एवं 4-एच सन चैरिटेबल संगठनक संग साझेदारी क' रहल अछि.
Previous Post Next Post