'क्लाइमेट रियलिटी लीडर' हेतु चयनित मैथिल युवा अविनाश


मधुबनी जिलाक झंझारपुर प्रखंड अंतर्गत पैटघाट (लालगंज) निवासी श्री दुर्गानन्द झा केर सुपुत्र अविनाश कुमार जलवायु परिवर्तन विषयक प्रशिक्षण मे अमेरिकामे बिहार राज्यक प्रतिनिधित्त्व करताह. 

इन्दिरा गाँधी राष्ट्रीय मुक्त विश्वविद्यालय स’ कंप्यूटर साइंस मे मास्टर (एम.सी.ए) डिग्री धारक अविनाश एक प्रतिष्ठित कम्पनीक नोकरी छोड़ि अपन देशक किसानक हितमे काज करबा लेल दृढ़संकल्पित ओ चिन्तनशील देखना जाइ छथि. 

विगत पाँच बर्ख स’ कौशल्या फाउंडेशन नामक स्वयंसेवी संस्था संग डेग मे डेग मिला किसान लोकनिकें अन्न, तरकारी आदिकें उचित दाम दिया हुनका लोकनिक पक्ष मे ठाढ़ देखल गेलाह अछि. किछुए मास पूर्व मिथिला सहित समूचा बिहार मे बाढिक प्रकोप मे उक्त संस्था द्वारा सराहनीय कार्य कएल गेल अछि जाहि मे हिनक लगनशीलता ओ तत्परता कें बेस प्रशंसित कएल गेल छल. 

ज्ञात हो जे अविनाश “वर्ल्ड इकॉनोमिक फोरम” केर 'ग्लोबल शेपर्स कम्युनिटी'क पटना हब केर वाइस क्यूरेटर सेहो छथि आ एहि फोरम केर वार्षिक क्यूरेटर सेमिनारमे बिहारक प्रतिनिधित्व करैत जेनेवा मे पहिनहि अपन उपस्थिति दर्ज करा चुकल छथि.

अमेरिका केर पूर्व उप-राष्ट्रपति एवं नोबेल पुरस्कार विजेता अल गोर केर संस्था 'द क्लाइमेट रियलिटी प्रोजेक्ट' जेकि किसानकें जैविक खेती हेतु प्रोत्साहित करैत अछि मे एहि बेर विश्व कें १०० प्रतिभाशाली युवा मध्य बिहार दिस स’ प्रशिक्षित करबा लेल अविनाश कें आमंत्रित कएल गेल अछि. अल गोर स्वयं हिनका लोकनिकें प्रशिक्षित करता आ ई प्रशिक्षण कार्यक्रम १७ सं १९ अक्टूबर धरि अमेरिकामे चलत.

अविनाश कें समाजसेवाक संग-संग फोटोग्राफी मे सेहो बेस दिलचस्पी छनि जेकि हिनक फेसबुक पेज खलिहान लाइव केर माध्यम सं देखल जा सकैछ. हिन्दी पत्रकारिता ओ कविता लेखनक संग-संग आब मैथिली साहित्य सृजन ओ साहित्यिक चौपड़ि मे सेहो हिनक सक्रियता नीक जेंका बनल रहैत अछि. एहि उपलब्धि हेतु बधाइ ओ हिनक जीवनक उत्तरोत्तर उन्नति हेतु हार्दिक मंगलकामना!

रिपोर्ट: मनीष झा 'बौआभाइ'
Previous Post Next Post