रमाकांत चौधरी ओ कमलाकांत झा कें पाग सम्मान


मिथिलालोक फांउडेशनक तत्वाधान मे पाग सम्मान समारोहक आयोजन राजधानी दिल्ली मे कएल गेल. समारोह मे वरिष्ठ पत्रकार रमाकांत चौधरी एवं मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष कमलाकांत झा कें 'पाग सम्मान' सं सम्मानित कएल गेलनि. 

पाग सम्मान रमाकांत चौधरी कें मिथिला मे कएल उत्कृष्ट समाजिक काज लेल दल गेलनि अछि, त' कमलाकांत झा कें मैथिली भाषा मे उल्लेखनीय योगदान लेल सम्मानित कएल गेलनि.  

एहि अवसर पर रमाकांत चौधरी कहलनि. 'हम बहुत आभारी छी जे मिथिलालोक फांउडेशन हमर सामाजिक काज कें स्वीकार केलक आ हमरा सम्मानित कएल गेल अछि. कोनो सम्मान लोक कें आओर बेसी मेहनति करबा लेल प्रेरित करैत छै. तैं हम ई निजगुत करब जे सामजिक काज मे अपन योगदान कें निरंतर जारी राखब.'

ओ आगू कहलनि, 'हमर पिता स्वर्ण पदक विजेता एवं मैथिलीक प्रोफेसर छलाह, हमरा मिथिला-मैथिलीक प्रति सिनेह परिवार परंपरा सं भेटल अछि. हम डॉ बीरबल झा कें ह्रदय सं धन्यवाद देइत छी जे ओ दिन-राति लगन सं 'पाग बचाउ अभियान' चलओलनि जे एतेक प्रसिद्ध भेल आ भारत सरकार कें पाग पर डाक टिकट जारी करबा लेल प्रेरित केलक.

ज्ञात हो जे रमाकांत चौधरी अपन पेशा (पत्रकारिता) आ अपन व्यस्त कार्यक्रमक उपरान्त रमाकांत चौधरी सामाजिक हित लेल सदा काज करैत छथि. कतेको अवसर पर भ्रष्टाचार आ भ्रष्ट अधिकारी सभक खिलाफ आवाज उठओलनि अछि. संगहि रमाकांत चौधरी कतेको अन्य कल्याणकारी गतिविधि सभ सं जुड़ल रहल छथि.

कार्यक्रम मे मिथिलालोक फांउडेशनक उद्देश्य स्पष्ट करैत कहलनि जे जीवन मे सफल वएह होइत अछि जकरा अपन संस्कृति पर गर्व रहैत छै.
Previous Post Next Post