यूट्यूब पर पूनमक टहाटोहि इजोरिया!


पूनम मैथिलीक लोकप्रिय गायिका छथि आ गायन मे एक मोकाम हासिल केने छथि. कइएक सालक मेहनतिक प्रतिफल अछि जे गाम गेने हमरा सभक कान में जे गीत सभ सं पहिने पड़ैत अछि ओ पूनम गाओल रहैत अछि. संस्कार गीतक क्षेत्र मे हिनका विशिष्ट स्थान प्राप्त छनि त' आधुनिक गीतक सेहो नीक संख्या मे प्रशंसक बना नेने छथि.

एकटा आओर बात कहि दी जे यूट्यूब पर पूनमक गीत 'जहिये सँ गेलखिन सजना, निन्न उड़ि गेलए' 1 मिलियन सं बेसी लोक सुनि चुकल छथि आ से मात्र लगभग सवा दू सय दिन मे. जें कि तकनीकक प्रसार भेने म्यूजिक इंडस्ट्री करोट ल' रहल अछि, यूट्यूब पर ई नीक संख्या मे दर्शक तैयार क' लेने छथि.

उक्त गीत शिव कुमार झा 'टिल्लु' केर लिखल छनि जे पूर्वी धुन पर अछि. अपने सेहो एहि गीतक आनंद एतय ल' सकै छी.

Previous Post Next Post