त्योंथ सरपंच, जनाकांक्षा आ जनादेश

 त्योंथ (बेनीपट्टी) सं जनता जनार्दन 

पांच साल पहिने पंचायतक लोक नबका भोरक आस मे एकटा युवा पर भरोस देखओने छल. एहन युवा जे कविमना कलाकार छल, रंगकर्मी छल, उद्यमी छल. सामाजिक काज मे अभिरुचि छलै. पंचायत मे सरपंचक रूप मे एकटा अराजनीतिक पृष्ठभूमिक वशिष्ट कुमार झा चुनि क' एलाह जिनका राजनीति नै, जनसेवा जनाकांक्षाटा सं मतलब छलनि. मुदा जीतलाक बाद प्रतिनिधि लोकनिक स्वभाव मे जेना नाटकीय परिवर्तन देखल जाइछ ताहि मे ई अपवाद बनलाह आ अपन प्रतिबद्धता पर अटल भ' काज शुरू केलनि.




मरल ग्राम कचहरी जीबि उठल जखन ई पंचायतक लोकक वाद-विवादक फरिछौठ करब शुरू केलनि. नित्तहु ई केसक निपटारा करैत रहलाह. थाना-पुलिसक काज कम पड़ए लगलै. लोकक विपत्ति कमतर होइत गेलैक. हिनक न्याय पर लोकक भरोस एना बढलै जे हिनका 'पंच-परमेश्वर' कहब लोक शुरू क' देलक. पंचायत भरि सं आंगुर पर गानल किछुएक केस थाना धरि पहुंचलैक आ ओहू केर निपटारा मे हिनक भूमिका कें नकारल नै जा सकैत अछि. प्रभावक रूप मे आजुक दिन मे केस घटलैक अछि.

कचहरीक काज आ हिनक नेतृत्व क्षमता हिनका जिला सरपंच संघ केर कोषाध्यक्ष पद पर सुशोभित केलक जाहि पर त्योंथ पंचायतक लोक गर्व क' सकैए. ओतहु ई सरपंच लोकनिक सर-समस्या राज्य स्तर पर उठबैत रहलाह. संघक कार्यक्रम-अभियान कें जियओने रहलाह.

पांच सालक काज कें किछु आखर मे लिखब संभव त' नै अछि, तखन उल्लेखनीय उपलब्धि सभ हिनका भेटल अछि जे आन कोनो प्रतिनिधि सं हिनका विशेष बनबैत अछि. गामक युवा सभक संग मिलि गामक पुल (जे ठीकेदार अधूरा काज क' भागि गेल छल) कें आवागमन योग्य बनेबा मे सेहो ई पंचायत प्रतिनिधिक रूप मे नीक भूमिकाक निर्वाह केलनि. गामक युवा लोकनिक ई काज चिरकाल धरि उदाहरण बनत एकजुटताक.

कवि नागार्जुन संगे मंच साझा क' चुकल गुमनाम कवि आ त्योंथ सरपंच वशिष्ट कुमार झा केर सराहनीय भूमिका सं कलकत्ता मे पनरह बरख सं भटकल एक वृद्ध महिलाक उद्धार पछिला साल भेल. बेतौनाक ओहि महिला कें अपन परिवार सं मिलएबा मे ई बेतौना सरपंच संग सक्रिय भेलाह. ई हिनक मानव सेवाक एक छोट उदाहरण मात्र अछि.

जनाकांक्षा पर ठाढ़ रहबा लेल ई खूब्बे परियास केलनि अछि आ से पंचायत मे हिनक लोकप्रियता सं सहजे भांज लगाओल जा सकैत अछि. 6 मई कें चुनाव छै. जनादेशक आहटि स्वतः बूझल जा सकैछ. एकरा प्रभावित करबा लेल नाना ब्योंत, विचार, बेवस्था, व्यूह रचल जा रहल छै. त्योंथक मतदाता पर निर्भर करैत अछि जे ओ ककरा चुनैत अछि.
Previous Post Next Post