'संपर्क' मे डॉ. अणिमा सिंह कें देल गेलनि श्रद्धांजलि


कलकत्ता : मासिक साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क'क बैसार रविदिन (10 अप्रील) स्थानीय नवीन प्रकाशन कार्यालय मे संपन्न भेल. बैसारक अध्यक्षता उमाकांत झा 'बक्शी' केलनि.

उमाकांत झा 'बक्शी' सहित मिथिलेश कुमार झा, विजय इस्सर, आमोद कुमार झा रचना पढलनि. अवसर पर दयाशंकर मिश्र सेहो उपस्थित छलाह. कार्यक्रमक अंत मे दू मिनटक मौन राखि डॉ. अणिमा सिंह कें श्रद्धांजलि देल गेलनि.

ज्ञात हो जे विगत कएक दशक सं मैथिलीक ई गोष्ठी आयोजित होइत रहल अछि. मासक दोसर रवि कें आयोजित होमयबला एहि गोष्ठी मे रचनाकार टटका रचना पढ़ैत छथि आ उपस्थित श्रोता ओ साहित्यिक लोकनि रचना पर तत्काल टिप्पणी करैत छथि. एहि सं नवतूर लेखक कें आवश्यक मार्गदर्शन भेटैत छै. 

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post